मच्छर महिमा :- JAY PRAKASH CHOUDHARY 'JANAK': MAITHLI COMEDY

Maithli Comedy: Maithli Chutkal: Jay Prakash Choudhary'Janak' Comedy: Janak jee is belong to next Vidypati 'Madhup' Village Korhu.
                         मच्छर महिमा 
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?
दिन भरि आँहा रियाज़ करै छि, नबका राग अलाप गुनै छि !
जे बहिरा सब उच्च सुनैये, सटि कें गाबी तकरा कान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

नै चाही ढोलक हरुमुनियाँ, भाषा तेहन बुझे भरि दुनियाँ!
दिनमे आँहा निभेर सुतै छि, सगर रातिमे बड्ड हरान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

एक गर्भ सँ सय-सय बच्चा, सोइरी घर खत्ता चबह्च्चा !
नै सोहाईये नीपल-पोतल, गोबर पर में गर्भाधान !
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

सब कें बिठुआ काटी जगाबी, गीत सुनैक लेल गोहराबी!
जते जीब अंहिक सौजनियाँ, सब ठा' खान पान सम्मान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

कनियें रक्त पीबि संतोषी, जूठ कहे सब मच्छर दोषी!
गीत तीत लागे छे जकरा, सुतै मशहरी बीच अकान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

साँझे पहिने पाएर छुबै छि, तही असिरवादे त जिबैछि!
गीत सुनी ताली जे बजबऐ, हत्यारा खुनी शैतान !!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

अंहि मलेरिया व्याधि विधाता, कला ज्वर डेंगू  निर्माता !
एक रक्त दोसरा कें दै छि, पुण्य लूटैछि लेहु दान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

डरी न कखनो एक्को रति, सटल रहै छि मच्छर बत्ती !
यार लगेलौं डी. डी. टी. सँ, जाड़ोमें नहि मुहँ मलान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

बर्फ देखि कें मोन उदासे, तें शिवजी सूतथि कैलाशे !   
मच्छरक डर सँ झीर समुन्दर, कएल बिछौन विष्णु भगवान !! 
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?

भरि दुनियाँक आँहा अधिकारी, सबहक सुधि लैछि बलिहारी !
अहींक डर सँ सोचि रहल छि, चानक उपर बनैब मचान!!
हे मच्छर ककरा सँ सिखलौं, एते नीक संगीतक तान?      
लेखक:- डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक"
साभार:- डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक"
प्रस्तुति:- अपन मिथला धाम (राजीव मिश्र)
सुचना:- कृपया क के अयही लिंक क कोप्पी नै करी आ इत्र -वित्र जगह पर पोस्ट नै करी!!!!
जय मैथिल जय मिथला!!!!!!
Tag: Maithli Comedy, Maithli Chutkal, Maithli Hashi Majak, Maithli Poem, Comedy of Doc. Jai Prakash Choudhery "Janak", Janak Jee k Chutkala, Maithli Kavi Jai Prakash Choudhery "Janak", Maithli Poetry Janak Jee, Maithli Comedy:jay Prakash Choudhary"Janak"
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

2 comments