महिला आरक्षण- Maithli Comedy: Jai Prakash Choudhery "Janak"

Maithli Comedy: Maithli Chutkala: Janak Ji ke Chutkala: 

             महिला आरक्षण    
सुनै नै छियै? अहीं कें कहलों, पढलों कल्हुका अख़बार!
महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
              दिनका भानस हम करबै आ रतुका करियौ आँहा रसोइ!
              सब दिन बर्तन हमहीं मजिये, बाजु एहन अततःइ  होइ?
             आब सुतब हमहीं भोरहरिया, अहीं चाह केर करी जोगार !!
             महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
हमर सहेली ट्रेन उरेतै, हेलीकाप्टर हवा जहाज !
स्टेरिंग पर कोनो भीर नै बुझि गेलौं एकहक टा राज !!
सीना तानि चढब फटफटिया, बुर्का घोघ खतम बेवहार!!
महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
               बच्चा जनमाबक ठिकदारी, एसगर हम किन्न्हूँ नै लेब!
              साढ़े चारि मास हम राखब, साढ़े चारि आँहा कें देब!!
              सोइरी मे परसौती बनियौ, तिन-तिन दिनका दुन्नुक पार!!
             महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
हिस्सा रस्ती एमपी बनबै, बखरा लेब तीस परसेन्ट!
कोट, कचहरी, होटल, मोटल, टोटल पोस्टिंग परमानेन्ट!!
भिरगर ड्यूटी हम नै करबै मरदाबा सब बड़ होशियार !!
महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
              बच्चा केर साटीफिकेट पर, बापक बदला मम्मिक नाम!
              कनियाँ नै सासुर डेबतै, मीयें बसतै बीबी केर गाम!!
             हमरे नामे चिन्हत अंहु कें, ओइ बुच्चिक यैह भर्तार!!
             महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
दू कनियाँ जौं आँहा बियाहब, महिलो राखत जोड़ा मर्द !
चेत जाउ हे पुरुषक बच्चा, पाछा करी न ' गाँ भरि गर्द !!
आगिक मोल बिकतै कनियाँ, कानी छटेले मर्द कुमार !! 
 महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
             आधा जनसंख्या मलकिनी, तखन हमर एते अपमान !
             एकहक बदला ओलि सधेबै, चालू छे नारी अभियान !!
             कनियें सुगबुगैल दिल्ली मे, सब मनसा के तेज बोखार!!
             महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!
                          सुनै नै छियै? अहीं कें कहलों, नै पढलों कल्हुका अख़बार !
                           महिला  आरक्षण भ रहलै, सब्ब ठाम आधा अधिकार!!  
लेखक:-    डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक" 
साभार:-  डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक" 
प्रस्तुति:- अपन मिथला धाम (राजीव मिश्र)
सुचना:- कृपया क के अयही लिंक क कोप्पी नै करी आ इत्र -वित्र  जगह पर पोस्ट नै करी!!!!
जय मैथिल जय मिथला!!!!!!
Tag: Maithli Comedy, Maithli Chutkal, Maithli Hashi Majak, Maithli Poem, Comedy of Doc. Jai Prakash Choudhery "Janak", Janak Jee k Chutkala, Maithli Kavi Jai Prakash Choudhery "Janak", Maithli Poetry Janak Jee, Maithli Comedy:

thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments