मिथला राज्यक प्रस्ताब पारित करय सरकार: MITHLA NEWS:

दरभंगा, २३ नवम्बर ! जाहि तरहे उतर प्रेदेशक मुख्यमंत्री छोट राज्यक अवधरानाक तहती चारि नव राज्य केर प्रस्ताब पारित क केन्द्र सरकार क पठोलनी अछी, ओहि तरहे बिहार सरकार सेहो मिथला राज्य केर प्रस्ताब पारित क केन्द्र सरकार कें पठबय! उक्त बात  मिथला राज्य संघर्ष समितिक महासचिब प्रो. उदय शंकर मिश्र बुध दिन स्थानीय कर्पूरी चौक पर धरना देइत सभा कें संबोधित करैत कहलनि! प्रो. मिश्र कहलिनी  जे १३२६ ई. धरि मिथला स्वत्रंत छल! भाषा,संस्कृति,आर्थिक एवं सामाजिक विकाश हेतु मिथला राज्यक होयब आवश्यक अछी! बर्ष १९०६ ई. में कशी में पं. मुरलीधर झा पहिल बेर मिथला राज्यक मांग करैत आंदोलनक शुरुआत कएने छलाह! बर्ष १९५०ई. के दसक म सेहो भाषा के आधार पर मिथला राज्यक मांग कायल गेल छल!
साभार- मिथला  समाद 
प्रस्तुति:- अपन मिथला धाम (राजीव मिश्र) 
Tag:- Mithla New: Mithla Samad: Gaam Ghar:
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments