Maithili News:मधुप स्मृति:-२०११:

मधुप स्मृति:-२०११
 
आधुनिक मैथिलि साहित्यक अभिनव विद्यापति कवि चुड़ामणि काशी कान्त मिश्र "मधुप" कें २५ सम स्मृति दिवस हुनक वासा कोर्थु, घनश्यामपुर दरभंगा में २४ दिसम्बर के दिन के एक बजे शुरू भेल ! इलाका केर चर्चित नेता चन्द्र किशोर झा अध्यझता केलनि ! उद्घाटन केलनि मूर्धन्य विद्वान भीम नाथ झा ! विशिष्ट अतिथि छला प्रसिद्ध कवि फूलचंद्र मिश्र "रमण" ! प्रधान वक्ता छला- कमलेश झा ! आरंभ में मधुप जीक गीत प्रस्तुत केलनि अंबोध मिश्र, उमानाथ झा, . रामचंद्र आदि ! मणिकांत मिश्रक दुआरा स्वागत भाषण केर बाद वक्ता सब मधुपक कृतित्व में प्रगतिवाद  सामाजिक सरोकार केर अनिवार्यता पर बल देलनि ! अहि अवसर पर समिति दुआरा भीम नाथ झा कें सम्मानित केल गेल ! मणिकांत मिश्रक 'मध्यमा' खण्ड काव्य एवं देवकांत मिश्रक गीत संग्रह 'एकानेक' केर लोकार्पण क्रमशः रमण जी राजानंद झा दुआरा केल गेल ! रमण जीक अध्यझता में एकटा कवि सम्मलेन भेल जाहि में सर्व श्री भीमनाथ झा, डॉ. अशोक कुमार मेहता, हरिश्चंद्र हरित, शैलेन्द्र आनंद, विनोद कुमार झा, श्याम बिहारी राय "सरस", शंभुनाथ मिश्र, अल्लाह उदीन, आदि प्रमुख रूप भाग लेलनि ! मैथिलिक प्रसिद्ध कथाकार सकेतानन्द सिंहक आकस्मिक निधनक कारणे हुनका स्रधांजलि सेहो देल गेलनि ! राति में संगीत कार्यक्रम केर भव्य आयोजन भेल जाहि में दुखी राम, माधव राय, महादेव ठाकुर, गंगा राम झा, हरिकिंकर ठाकुर, रघु दास, दिलीप कुमार झा, मदन झा, हरी सिंह आदि केर गाउन इलाका भरि कें श्रोता देरी राति बजे धरि कृत-कृत होति रहला ! मंच संचालन केलनि श्री शंभुकांत झा !
संवाद:- मनोहर कुमार झा
साभार:- देवकांत मिश्र
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
Tag:- kashi kant mishra "madhup", kashi kant mishra "madhup" smriti, madhup jee ke smrity, korthu, maithli news, mithla news, mithili news, mithila news, maithili samachar, mithila samad, maithli poem, maithili poem, maithli kavita, maithili kavita, madhup jee ke kavita, janak ji:maithili song:
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments