Pokhram:-कुषाणवंशक लक्ष्मी नारायण मंदिर बढ़ा रहल अछि मिथिलाक महिमा !!!



कुषाण वंशक लक्ष्मी नारायण मंदिर बढ़ा रहल अछि मिथिलाक महिमा !!!

करीब ५० हजार जनसंख्या वला मिथिलाक दरभंगा जिलाक बिरौल प्रखंडक पोखराम गाम ओना अपन कोणी धार तकर माछक करतबक लेल इलाका में प्रसिद्ध अछि! जाहि माछक करतबक देखबा खातिर लोक कोणीक पुल पर टकधियान देने रहैये! अहि गाम में कुषाण वंशक राजा दुवारा बनाओल भगवान विष्णुक सिघासन भेटल !
पड़ोसिया गाम लदहो में करीब १०० बर्ख पहिले खेत में हर चलेबा काल एकटा मूर्ति भेटल छल ! शुरू में लोक बुझलक जे दुर्गावतार अछी कियाक मुर्तिक चारू भाग दशावतार छल ! मुदा मूर्ति पर अंकित श्लोक सँ फरीछोट भेल जे विष्णु जी छथि- "रामनाथ राजन्यो विष्णु सेवकः सेवकः सुरेर तल्यो देवो विष्णु नामः करिष्यति"

कहल जायि अछि जे पोखराम में भेटल सिघासन अहि मूर्ति सँ एक दम फिट बैसेत छै ! जदि लोक उत्सुक हुऐ पर्यटन मंत्रालय ध्यान दै बेहतर आकर्षणक जगह बनि जेते ! संगे कहैत चली जे अहिठाम करीब २५ लाखक लागत सँ भव्य मंदिर बनि गेलैये! मूर्ति बिहारक पुरान १३६ मूर्ति में सँ आठ्मं स्थान पर अछी!

संवाद:- मनोहर कुमार झा
प्रस्तुति: राजीव मिश्र (अपन मिथला धाम)
Tag: Mithila News, Mithila Samachar, Darbhanga News, Darbhanga News, Pokhram, Pokhram Village, Pokhram Village of Darbhanga Bihar, Lakhshmi Narayan Mandir Pokhram, Lakhshmi Narayan Mandir Ladho, Maithili songs, korthu:
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

3 comments

  1. Bhavendra Mishra8 January 2012 at 13:58

    badd nik.

    ReplyDelete
  2. NICE JOB SIR G...........LAGAL RAHU ...............BST OF LUCK ...........OR ESA HE KUCH HOSTORY METHLANCAL KA BTABIT RAHU............

    ReplyDelete