Maithili Comedy: ठकदरुआ: Jay Prakash Choudhary" Janak" jee

ठकदरुआ

बड़की भौजी कहलनि बच्चा, क ने लिय वियाह !
पर्वत सन जिनगी बांकी अछि
, हैत अबूह अथाह !!

तखन कहलियनि ऐ भौजी
, हम सब छि सोझ किसान !
मोट पसम सब दिन रह्बैया
, बएसो भेल पुरान !!

आबक नवकी लोक मंगे छै
, लाल लिपिस्टिक सेन्ट !
हमरा कहत टिक कटबह आ पहिरह लुंगी पेन्ट !!


बाप जन्म जौं बड़ देखलों त मंचुभ्भी रमलीला !

अबिते कहत चलू ने सिनेमा बनियों छैल छबीला !!


संत बबाजी कोना रहै छै
, तहिना रहब बेजोड़ !
माल जाल आ जाल माल पर
, परिकत रतुका चोर !!

कैल कहत टीवी कीन दे
, पीबौ भोर चाह !
जेहो दू विघा दंतियेने छि
, बेचू तखन निवाह !!

बियाह करए के
? पढल- लिखल आ पैसा बला जुआन !
मंगे एक गज
, आनि दैक जे छ्पुआ थानक थान !!

बेटी गरा केर घेघ भेल छै
, चाहब, हैत बियाह !
मुदा आब हम काल कटई छि
, डारों भेल अबाह !!

ओकरा संगे फोटो घिचबू
, चोटकल हमर थूथुन !
दांत एखन नौ टूटल रहिते
, खेलक तमाकू चुन !!

भौज थिकौं जौं दया लगैए
, नीप दिय घर दुआरी !
बेर बेगरता जोग दिय
, ई सुनिते पढ़लनी गारि!!
                  आँहा केर हम ठकदरुआ? कहलियनि भौजी फगुआ !!

लेखक:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना:- कृपया कें अही कविता कोप्पी करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.
Tag: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu, maithili comedy, maithili comedy video, jay prakash choudhary comedy video, janak jee


thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments