Biography of Maithil Singer Suman Saurabh(मिथिला विभूति मुधर्न्य गायक सुमन सौरभ):- Proud of Korthu(Mithila)

मिथिला विभूति मुधर्न्य गायक सुमन सौरभक जन्म मिथिलाक दरभंगा जिलाक "मधुप नगर" कोर्थु में 9 फरवरी 1979 कें भेल छल! इ स्व० श्याम किशोर ठाकुर आ शकुन्तला देवीक कनिष्ठ बालक छथि! अदभुत प्रतिभा व्यक्तित्वक धनि छथि! गायकी के संगे-संग क्रिकेट म सेहो रूचि छनि, जाहिक कारणे कतेको बेर "मैन ऑफ़ द मैच" कें ख़िताब स्थानीय ग्रामीण प्रतियोगता सब में भेटल छनि! 

मैन ऑफ़ द मैच क पुरस्कार प्राप्त करैत सुमन सौरभ
सन 1995 में सुमन सौरभ, शास्त्रीय गायक आ कवि अम्बोध मिश्र "मगन" जी सँ गायकी विधाक शिक्षा प्राप्त केनाइ प्रारंभ केलनी ! वर्तमान में इ स्थानीय प्राथमिक विधालय, सोनहद(कोर्थु ) में अध्यापन करै छथि!
मिथिलाक इ विभूति मूलतः भगवती गीत सँ अपन झंडा गारने छथि ! 
हिनक प्रथम ऑडियो कैस्सेट सन 1999 में नीलम कास्सेट्स सँ  देवी महिमा आयल छल, जे पूरा मिथिलांचल म धूम मचा देने छल, " छौ पुत्र बड़ बिकल माँ कोरा में तू उठा ले ....." अजय जीक लिखल  अहि एल्बमक इ  गीत बेस चर्चित रहल ! करीब लाखो सँ बेसी इ कैस्सेट बिकायल छल, मैथिलिक कुनो भी देवी गीतक कैस्सेट, एखेन धरि(प्राप्त जानकारीक मुताबिक) एतेक व्यवसाय नै केलक हा! जे एगो बहुत पैग उपलब्धि अछि! ओकर बाद आयल दोसर कैसेट सिनुर जाहि में जनक जीक  लिखल गीत "गर्दन में छुरी  लगेलये   यो पपा नास केलये........" बेस चर्चित रहल छलअहि संगे-संग  हे दुर्गे मईया, देवी वन्दना, देवी माँ, देवी दर्शन, भगवती आराधना, खोलू नयन  मईया, जय कनियाँ दुलरुआ बरुआ इ सब कैस्सेट बेस चर्चित रहल!
मैथिलीक चर्चित कम्पनी नीलम, सती, स-सिरीज, भारती आ जय श्री अहि ठाम स इ गाबि चुकल छथि ! सन 2012 क फरवरी में बहुत दिनक बाद, श्रोताक विशेष मांग पर, मैथिलीक  पारंपरिक  मुंडन गीतक  कैस्सेट बरुआ  -दुलरुआ  निकाल लैथ, जे बेस चर्चित रहल, पहिले कें भांति इहो कैस्सेट खूब धूम मचौलक !
आशा करै छी अपन अध्याप्नक संग माँ मैथिलीक सेवा अनवरत करैत रहता !!!

संवाद :- मनोहर कुमार झा, राजीव मिश्र 
प्रस्तुति:- अपन मिथिला धाम 
 more about pic and information of suman saurabh coming soon...............
Tags:- maithili Singer Suman Saurabh, maithili Devi geet singer Suman Saurabh, Suman Saurabh maithili songs, Suman Saurabh maithili devi songs, Jai kaniya Suman Saurabh, korthu, Suman Saurabh of korthu, Kothu Village, Suman Saurabh proud of korthu village(darbhanga Mithila, Devi Mahima Suman Saurabh songs, Barua Dularua Suman Saurabh, Bhagwati songs of Suman Saurabh, suman saurabh bhagwati geet
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

1 comments