A First Maithili Movie:- Kakhan Harab Dukh Mor Dubbed as a Hindi Movie:- Hey Bholey Nath


Movie:- Hey Bholey Nath
Cast:- Phool Singh,Avdesh Mishra,Mamta Raje,Deepak Sinha
Director:- Sanjay Roy
Producer:- Santosh Badal
Music Director:- Gyaneshwar Dubey
Release Date:- 12July 2013

विद्यापतिक जीवन पर आधारित मैथिली फिल्म 'कखन हरब दुःख मोर' हिंदी मे बनि क' तैयार अछि. पहिल बेर अछि जे कोनो मैथिलीक फ़ीचर फ़िल्म हिन्दीमे पुनर्निर्मित क' देखाओल जायत. महाकवि विद्यापति केर व्यक्तित्व आओर कृतित्व प्रारंभहिसं एकटा महत्वपूर्ण विषय रहल अछि. उगना इन्टरटेनमेन्ट बैनरक अधीन निर्मित फ़िल्म 'हे भोलेनाथ' विद्यापति आ उगनाक आध्यात्मिक संबंध पर आधारित अछि. संतोष बादल द्वारा निर्देशित ई फ़िल्म मैथिलीमे ‘कखन हरब दुख मोर' नाम सं लोकप्रियता प्राप्त क' चुकल अछि.
ज्ञात हो जे एखन धरि विद्यापति पर पांचटा फ़िल्म बनि चुकल अछि. पहिलुक फ़िल्म 'विद्यापति' (1937 )क निर्देशक देबकी बोस छलथि. दरभंगा निवासी फ़िल्म निर्देशक प्रह्लाद शर्मा 1964मे एहि नामसं फ़िल्मक निर्माण केने छलथि. फ़िल्ममे संगीत देने छलाह वी बलसारा. ओहि समयक चर्चित अभिनेता भारत भूषण, सिमी ग्रेवाल, कमलजीत, नाज़िमा, बिपिन्न गुप्ता, मुराद आदि अभिनय केने छलाह. मो. रफ़ी, लता मंगेशकर, आरती मुखर्जी, मलय चक्रवर्ती, देशराज, धनंजय भट्टाचार्य आ प्रह्लाद शर्मा जीक सुमधुर आवाज सं सजल गीत सं भरल फ़िल्म छल. फ़ेर बादमे एहि विषय वस्तु कें नव रूपे 'जय बाबा बैद्यनाथ' (1972-1978) मे प्रयोग केने छलथि.
‘कखन हरब दुख मोर' विद्यापतिक जीवन पर आधारित चारिम फ़िल्म अछि. 2005मे प्रदर्शित अहि फ़िल्मक निर्देशन केने छलाह निर्देशक संतोष बादल. अभिनेता फ़ूल सिंह आ संजय रायक सहयोग सं उगना इन्टरटेन्मेन्टक बैनरक अधीन बनल ई फ़िल्म बड्ड चर्चित भेल छल. फ़िल्म मे प्रयुक्त गीत विद्यापतिक अछि. विद्यापतिक जीवन आ हुनक उगना महादेवक संग संबंध पर आधारित अछि फ़िल्म. पांचम विद्यापति फ़िल्म बनल छल उड़िया आ बंगलामे 'जय जगन्नाथ' नामसं, कथा लगभग एकसमान.


Avdesh Mishra as a:- Mahadev
Phool Singh as a :- Vidyapati
Mamta Raje as a:- Sudhira
Deepak Sinha as a:- Ugna

Sabhar:- Mithi-Media, Apan Mithila Dhaam

Tags:- Maithili movie dubbed in Hindi Movie, Maithili Movie dubbed in bollywood movie, Maithili movie kakhan harab dukh mor dubbed in hindi movie Hey Bholey Nath, maithili movie kakhan harab dukh more dubbed in bollywood movie hey bhole nath, Hindi movie hey bhole nath, watch online maithili movie kakhan harab dukh more, free download maithili movie kakhan harab dukh mor, free download 3gp maithili movie kakhan harab dukh mor, watch online hindi movie hey bholey nath, free download hindi movie hey bholey nath, free download kakhan harab dukh mor maithili movie songs, free download kakhan harab dukh mor maithili movie video songs, free download hey bholey nath songs, 
thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments