MAITHILI YOUNG WRITER :- RUPESH TEOTH(जीवन परिचय )

रूपेश त्योंथ नामे बेस चिन्हल जाइत एहि युवा रचनाकारक मूल नाओ रूपेश कुमार झा छनि. ई नवकृष्ण ऐहिक नामे आलेख/व्यंग्य ओ रूपेश कुमार झा ‘त्योंथ’ नामे कविता लेखन करैत छथि. हिनक रचना सभ मैथिली पत्र-पत्रिका मे बरमहल प्रकाशित होइत रहैछ.
हिनक जन्म मिथिलाक मधुबनी जिलान्तर्गत त्योंथागढ़ गाम मे 27 मइ 1989 कें भेल छलनि. आरंभिक शिक्षा गामे मे भेल छलनि आ हाइस्कूल पास क’ आगांक शिक्षा हेतु कलकत्ता आबि गेलाह. रूपेश कंप्यूटर अप्लिकेशन मे स्नातक क’ एक आइटी कंपनी सं जुडल छथि. आइटी क्षेत्र मे मैथिली हेतु किछु विशेष करबाक अकुलाहटि हिनका सदति रहैत छनि.
भाखा-साहित्य मे रुचि रखनिहार रूपेश त्योंथ अपना कें मैथिली कार्यकर्ता बुझैत छथि आ भाखा-साहित्य केर प्रसार-प्रसार हेतु कटिबद्ध छथि. ई भारतीय गणराज्य अंतर्गत पृथक मिथिला राज्यक प्रबल समर्थक छथि. रूपेश लेखन सहित अनेको साहित्यिक-सांस्कृतिक-सामाजिक अभियान सं जुडल छथि.
इंटरनेट पर मैथिलीक प्रचार-प्रसार हेतु ई अगस्त 2012 मे मिथिमीडिया केर औपचारिक शुरुआत कयलनि. बहुत कम समय मे मिथिमीडिया अपन सेवा सं नीक पहिचान बनयबा मे सफल रहल अछि. रूपेश मैथिली दैनिक मिथिला समाद सहित अनेको मीडिया हाउस सं जुडल रहल छथि. ई 2010 मे मैथिली साप्ताहिक झलक मिथिला केर संपादन सेहो कयलनि. आइ-काल्हि लेखन ओ मिथिमीडिया केर सम्पादनक माध्यमे मैथिलीक सेवा मे लागल छथि.
रूपेश बहुत कम वयस सं मैथिली मे लिखैत छथि. हिनक आरंभिक रचनादि विभिन्न पत्र-पत्रिका सभ मे प्रकाशित भेल अछि. हिनक रचल कविता केर संग्रह ‘एक मिसिया’ प्रकाशित अछि. हिनक दोसर पोथी शीघ्र प्रकाशित होयत. मैथिली लेखन कर्म ओ रचनाकारक उचित मान-सम्मान हेतु ई साकांक्ष छथि.
FACEBOK:- https://www.facebook.com/rupeshteoth


thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments