Maithli Comedy: Asli Agilesha Jai Prakash Choudhary "Janak" Comedy: Maithli Poem: Jay Prakash Choudhery"Janak" Poem: Mr. Janak is belong to Korthu(Darbhanga):
असली अगिलेस्सा
सैह कृष्ण सते भगवान?
लेखक:- डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक"
साभार:- डॉ. जय प्रकाश चौधरी "जनक"
प्रस्तुति:- अपन मिथला धाम (राजीव मिश्र)
सुचना:- कृपया क के अयही लिंक क कोप्पी नै करी आ इत्र -वित्र जगह पर पोस्ट नै करी!!!!
जय मैथिल जय मिथला!!!!!!
Tag: Maithli Comedy, Maithli Chutkal, Maithli Hashi Majak, Maithli Poem, Comedy of Doc. Jai Prakash Choudhery "Janak", Janak Jee k Chutkala, Maithli Kavi Jai Prakash Choudhery "Janak", Maithli Poetry Janak Jee, Maithli Comedy:jay Prakash Choudhary"Janak", Maithli Poem:
चोरक गीरह जे जग नामी, आ परदारा भोगल कामी!
सोलह सहस एक सै आठ, सुकामिनी सवाल जनै जहान!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
बाट चलै बटमारिका टेबा, अनकर नाह असुलाए खेबा!
पात-पात चढ़ी बसूली बजबै, तै हरहटिटक कोण ठेकान!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
राधा हुनक कोण सरोकारी? ब्याहिल ककरो संग बेचारी!
बाट-घाट आ सुतल रातिमें, नचा नचा ई कएल हरान!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
आन करए तं बलात्कारी, धनिकक बेटा हरि अवतारी!
अन्त समय तें बोधि शिकारी, छटपट मृगा जेंका अवसान!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
पाण्डव दलक गुरु कनफुक्का, सब लड़ाई में एक उझुक्का!
अर्जुन कें हलुकाओल लड़ी ले, ढीब-ढाब गीताक प्रमाण!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
घोड़ा चलत हमर लए आज्ञा, अस्त्र न पकड़ब जकर प्रतिज्ञा!
जर्जर भीष्म लहू सँ लथपथ, बना धराओल चक्र कृपाण!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
सालो भरि खेलए जे होरी, थानक-थान वस्त्र कए चोरी!
नाड.ट बहिनिक लेल पठाओल, वैह चोरेलहा चीरक थान!!
सैह कृष्ण सते भगवान?
महाभारतक सुनलाहूँ खिस्सा, यैह छला असली अगिलेस्सा!
कैक करोड़ मृतक केर पतिया, काटी सकत क्यों? अछी विदुआन?
सैह कृष्ण सते भगवान?
बटगबनी धरि बड़ मन भावन, राधा कृष्णक रास सोहाबन!
कहबनी किए मनुक्ख, चलए दियोऊ सौन झुला अभियान!!

0 comments