background

APAN MITHLA DHAAM

  • home
  • Biography
    • Authors
    • Singers
    • Actors/Actress
    • मिथिला समाजसेवक
  • Mp3 Songs
  • Tourist
  • Video
    • Devotional
    • Folk
    • DJ
    • Download
  • Jokes
    • Audio
    • SMS
  • Wallpaper
    • Mithili Painting
    • Actors/Actress
    • Temples
    • Tourist Places
  • Movies
    • Download
    • Online
    • Information
    • Trailers
  • Life Style
    • Maithili Dish

Facebook Page

Recent Posts

Categories

  • Biography (12)
  • HariNath Jha (7)
  • MAithli Ringtones (1)
  • Madhav RAi (4)
  • Maithili DJ Songs (5)
  • Maithili Holi Songs (3)
  • Maithili Movie Information (5)
  • Maithili Singer (6)
  • Maithili Vivah Geet (1)
  • Maithli Bhakati Song (9)
  • Maithli Chutkala (12)
  • Maithli Comedy (12)
  • Maithli DJ Songs (7)
  • Maithli Devi Geet (8)
  • Maithli Movie Songs (4)
  • Maithli News (8)
  • Maithli Poem
  • Mithla News (4)
  • Ram Babu Jha (6)
  • Suman Saurav (12)
  • Sunil Jha "Pawan" (4)
  • Tourist Place (12)
  • Vidiyapati Geet (4)

Artist

Ansu Mala
Anuja
Gyaneshwar Dubey
HariNath Jha
Hemkant Jha
Madhav Rai
Mamta Raje
Meenu Mishra
Payal Mukharjee
Poonam Mishra
Prem Sagar
Ram Babu Jha
Suman Saurabh
Sunil Jha "Pawan"
Suresh Pankaj
Tripti Shakya
Udit Narayan Jha
Umanath Jha
Vikash Vibhuti
Showing posts with label Maithli Poem. Show all posts



मिथिलाक प्रोबोध बाबु 

प्रोबोध नारायण सिंहक जन्म 12 फेबुबरी 1924 कें अपन मातृक एखुनका मधेपुर जिलाक पस्तपार गाम म भेल छलनि! नन्हिएटा मेधाबी छात्रक रुपमे परचित हिनक प्राथमिक शिझा पैतृक ग्राम सह्मौरा तथा सहरसा में भेल ! इंटर भागलपुर सँ एवंम बी.ए पटना सँ कएलनि ! ओना स्वाधीनता संग्राम में उग्र सह्भागिताक कारने अध्यन में व्यवधान अबैत रहल आ एक समय एहोनो आयल जखन इ तत्कालीन सर्कार दुआरा भगोड़ा घोषित कएल गेल छलाह ! छात्र जीवन में पटना सँ प्रकाशित होएवला हिंदी-उर्दू पत्रिका "मेल-मिलाप" क ई सम्पादक मंडल में छलाह ! 1948 ई. में प्रबोध बाबु कलकता अएलाह एवंम हिंदी दैनिक लोकमान्य में सहायक सम्पादक रूप में कार्य करए लगलाह आ ताहि संग अध्यन सेहो जारी रखलनि ! 1950 में दू गोट स्वर्ण पद्कक संग हिंदी में एम्.ए क डिग्री पओलनी! 1968ई. में तुलनात्मक भाषा-विज्ञानं,1969 ई. में पाली तथा 1970ई. में फारसी में एम्.ए. केलनि आ सभ विषय में स्वर्ण पदक प्राप्त भेलनि! 1972ई. में कलकता विश्वविधालय सँ डी.लिट आ 1976 में मगध विश्वविधालय सँ दोसर डी.लिट प्राप्त केलनि ! चारुचंद्र कॉलेज सँ अध्यापन आरम्भ क जयपुरिया कॉलेज होइत 1959 में कलकता विश्वविधालयक स्नातकोतर हिंदी विभाग में योग देलनि आ 1990इ. में विभागाध्यझक पद सँ सेवानिवृत भेलाह ! सामाजिक संगठनक अदभुत झमता रखनिहार प्रोबोध बाबु सर्वदा मैथिली भाषा-आंदोलनक अग्रिम पाँति में सजग रहलाह ! मैथिलीक उत्थानक लेल कलकता में एवंम ओकर लग-पास रहनिहार शिझित एवंम कमासुत मैथिल में सामाजिकता एवंम भाषा-चेतनाक लेल ओ बाबु साहेब चोधरी आ देवनारायण झाक संग अखिल भारतीय मिथिला संघक स्थापना कयलनि !

प्रोबोध बाबु मैथिली भाषा आंदोलनक चरम काल में ओकर समन्वयक लेल अखिल मैथिली महासंघक स्थापना कयलनि जे महासंघ अनेक छोट-छोट मैथिली संस्थाक लेल मार्ग-निर्देशनक काज करैत रहल ! भाषा आंदोलनक क्रम में प्रोबोध बाबु अपन कतिपय अनुयायीक संग मिथिलाक गाम-गाम भ्रमण कय ओजस्वी भाषण सँ लोग कें प्रभावित कयलनि जे आइयो स्मरण कयल जाइत अछि ! 


मातृभाषाक अनन्य उपासक प्रो. सिंह 1953 सँ मिथिला दर्शन मासिक पत्रक प्रकाशन/सम्पादन आरम्भ केलनि जे मैथिली आंदोलनक मुखपत्रक रूप में ख्यात अछि ! अपन दीर्घ संपदाकक जीवन में ओ अनेक नवतुरिया लेखक एवंम विद्वान कें अपन उर्वर तथा समृद्ध मातृभाषा मैथिली में लिखबाक लेल प्रेरित कयने छलाह ! 

हुनका में अदभुत नेतृत्व झमता एवंम अभिभावकत्व गुण छलनि! ओ जतय कतहु जाथि व्यक्तिगत रूपसँ नवतुरिया कें प्रोत्साहित एवंम प्रशिझित करथि! प्रोबोध बाबु अपन जीवन काल में अनेक छात्र,विद्वान,साहित्यकार एवंम सामान्य जनक जीवन कें प्रोत्साहित एवंम संबल दए बदलि देलनि ! सभसँ महुत्यपुर्म बात तं ई अछि जे ओ मैथिली भाषाक विकाश कें एक अभिनव दिशा दए मिथिलावासी कें नव आशा प्रदान कयलनि !

अध्यन- अध्यापन-आंदोलनक वयस्तता रहितो प्रोबोध बाबुक लेखनी सदा गतिशील छल परिणामतः हिनक तीन गोट मैथिलीक मौलिक काव्य संकलन, एक नाटक तथा तीन अनुदित नाटक एवंम दू गोट हिंदी काव्य-ग्रंथ प्रकाशित छनि! जीवनक सांध्य बेला में प्रोबोध बाबु कें 2002 में कुअर्तुल एन हैदरक प्रसिद्ध उर्दू उपन्यास "पतझड़ की आवाज" क उत्कृष्ट मैथिली अनुवाद "पतझड़ स्वर " क लेल साहित्य अकादमी परुस्कारसँ सम्मानित कयल गेलनि ! 20 मार्च 2005 कें हिनक देहावसान भ गेलनि !

मैथिली भाषाक विकास में प्रोबोध बाबुक अभूतपूर्व योगदान सदा स्मरणीय रहत ! प्रोबोध बाबुक चमत्कारी एवंम अदभुत प्रेरक व्यक्तित्व के मृत्युप्रान्तो ओहिना स्मरण कयल जाइछ जेना हुनक जीवन काल में तकर आदर कयल जाइत छल!

जय मैथिल जय मिथिला
राजीव मिश्र (अपन मिथिला धाम)

Tag:- Probodh narayan singh, maithili author probodh narayan singh, mithilak probodh babu, probodh babu, biograhy of probodh narayan singh, biography of maithili poet,biography of maithili poetry, biography of maithili author, biography of maithili actress, biography of maithili actor, biography of maithili singer,maithili songs



घनहन सतयुग आब

बीत गेले कलयुग कहिया ने, घंहन सतयुग आब !
मिसियो भरि ककरो पर छजतनि, ककरो आई रुआब !!

कहियो देखने छला लाख टका कमरथुआ बैधनाथ ?
भारक भार गंगाजल पी-पी गौरिक संग सनाथ !!

कोनो मंठ पर कहियो कतौ रामायानक नवाह ?
मंदिर-मंदिर स्पीकर पर आठो काण्ड प्रबाह !!

ब्याह्दान में राज-रजबाड़ा में जे डेकोरेशन !
तते एखुनका कियो करैए के देलकैक सजेसन ?

बिन मंगने फटफटिया गाड़ी बुडिबकहोक बिदाई !
एक्को बेर बिना कारक नै औति बुच्ची दाइ !!

कोदो,मरुआ, अल्हुआ, सुथनी, ककरो छैक अहार?
बिषठी,गाँती,कौपीनक, क्यों रखने अछि बेवहार?

राति बिराती, सेन्ध दए घरमे, कतौ होइए चोरि?
दिन दृष्टी जे होइछै से तं ढाहि तिजोरी तोड़ी !!

ढेंगरियैल घर-घर में साझर, आब न औंठा छाप !
हनुमत जकाँ आइ अमरीका, हमरा दुइये धाप !!

तनले रहनि तीर अर्जुनक, से परमाणुक बम्म !
धरती सँ उड़ी कें मानव मंगल पर मारए दम्म !!

घर-घर में बिजलीक पंखा, खेत-खेत में पानि !
दुआरी-दुआरी पर चान तरेगन, टीम-टीम कर दिन रैन !!

स्नातक बनि गुरुआश्रम सँ अबै छला दु एक !
गणना एखन विदुवानक छुटत भवन गोटेक !!

लेखक:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना:- कृपया क कें अही कविता क कोप्पी न करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.
Tag: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu, Ghanhan satyug aab, jay prakash choudhari”janak” jee, Maithili songs of janak jee, Maithili songs written by janak jee

ठकदरुआ

बड़की भौजी कहलनि बच्चा, क ने लिय वियाह !
पर्वत सन जिनगी बांकी अछि
, हैत अबूह अथाह !!

तखन कहलियनि ऐ भौजी
, हम सब छि सोझ किसान !
मोट पसम सब दिन रह्बैया
, बएसो भेल पुरान !!

आबक नवकी लोक मंगे छै
, लाल लिपिस्टिक सेन्ट !
हमरा कहत टिक कटबह आ पहिरह लुंगी पेन्ट !!


बाप जन्म जौं बड़ देखलों त मंचुभ्भी रमलीला !

अबिते कहत चलू ने सिनेमा बनियों छैल छबीला !!


संत बबाजी कोना रहै छै
, तहिना रहब बेजोड़ !
माल जाल आ जाल माल पर
, परिकत रतुका चोर !!

कैल कहत टीवी कीन दे
, पीबौ भोर चाह !
जेहो दू विघा दंतियेने छि
, बेचू तखन निवाह !!

बियाह करए के
? पढल- लिखल आ पैसा बला जुआन !
मंगे एक गज
, आनि दैक जे छ्पुआ थानक थान !!

बेटी गरा केर घेघ भेल छै
, चाहब, हैत बियाह !
मुदा आब हम काल कटई छि
, डारों भेल अबाह !!

ओकरा संगे फोटो घिचबू
, चोटकल हमर थूथुन !
दांत एखन नौ टूटल रहिते
, खेलक तमाकू चुन !!

भौज थिकौं जौं दया लगैए
, नीप दिय घर दुआरी !
बेर बेगरता जोग दिय
, ई सुनिते पढ़लनी गारि!!
                  आँहा केर हम ठकदरुआ? कहलियनि भौजी फगुआ !!

लेखक:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना:- कृपया क कें अही कविता क कोप्पी न करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.
Tag: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu, maithili comedy, maithili comedy video, jay prakash choudhary comedy video, janak jee


पहिले फगुआ झुर- झमान
सबहक फागुन, हमर बितैये सौने मास जनता भगवान !
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!

मोनक बात मने में रहलै, ककरा पर करबै सिंगार !
ढ़ोआ में परिकल मरदाबा, की बुझ्तैक दुलार मलार ?
जेठ मासमें गाम अबैया, रखिहs विस्तर जतय बथान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!

तेहन मीठ सपना सपनेलियै, सौंसे देह पसेना घाम !
निन्न टूटल की लैह बलैया, ने ओ नगरी ने ओ ठाम !!
अप्पन मुक्का अपने छाती, जाह जुआनी भेलह जियान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!

नै पकैब पुआ मलपुआ, हमरा लागए हर-हर तीत !
बारह मासक बाद एहन दिन, की जानी के मरते के जीते?
लाख कहै छि चर्च नै करबै, तैयो चंडलबे पर ध्यान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!   

केहेन-केहेन सरभिस बला सब ऐल आठ दिन पहिने गाम !
ई सुधमुँहा डटल फैक्टरी, ओकर नै हमर दिन बाम !!
फोनक नम्मर जँ रहितेs, मालिक कें दितिये से डपटान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!

बड़ दुष्टाही सासु निसोखिया, हरदम बाजै भने न ऐल !
बिना कमेने कोना निमेरा, हमहूँ भार छियै लगिचैल !!
सुनीते हमरा तीर लगैये, ई बुढिया नमरी शैतान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!   

लक्पक-लक्पक दुनु दियर, भौजी संगे रंग बहार !
 मोछ पिजैले रहतनि सबहक, भोरे ठोकबै बजर केबाड़ !!
ता धरि रहब बंद कोठली, जा डूबत गोसैयाँ पड़त अजान !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!  

एक बाप केर जँ हम बेटी, हेइये घिचलौं तीन लकीर !
गाम एतै नै टोकबै बजबै, अनमन बनबै बौक बहीर !!
"जनक" जनानी अहिना हनछिंन, देखिते देरी कछ्मछ प्राण !!
ओ नीरस निरदैया मनसा, पहिले फगुआ झुर- झमान !!
Tags: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu, jay prakash choudhry janak, maithili kavi janak jee, maithili kavi jay prakash choudhary janak.


Ram Lochan Thakur was born 18th March, 1949 in Babupali village of Madhubani distt. In Mithila. He is son of shri Surati Thakur and smt. Sharda Devi. Ram Lochan received his primary education at a traditional Sanskrit Tol(School). Armed with a matriculation degree from Kaluahi High School at the age of fifteen, he arrived at the city of Calcutta in search of livelihood. After a string of petty jobs to finance his stay in the metropolis, Ram Lochan jee finally secured a permanent job in the Income Tax Department, qualifying for appointment through a rigorous selection process. However, stability in career did not diminish his longing for higher education. He took admission in the evening section of Charuchandra college and completed his graduation. Interestingly, Ram Lochan Jee was the lone student of Calcutta University who had to struggle for taking up a course in Maithili. He retired as an Income Tax Inspector in 2009 and is settled in Kolkata.

The poet in Ram Lochan came to the for quite early when he started composing lyrics while studying in the sixth standard. He has published collection of poetry till date: Itihashanta(1997), Matipanik geet(1985),Deshak nam chhalai son chiraiya(1986),Apurva(1996) and Lakh Prashna Anuttarit(2003).

Besides, a collection of satirical stories titled : ’Betal Katha’ came out in 1981 under the pseudonym of Kumaresh Kashyap. ‘ Smritik Dhokharal Rang’ and ‘Aankhi Munne: Ankhi Kholne’ are his two memories which came out in 2004 and 2005 respectively. In 1983 Ram Lochan jee came up with a reconstruction of folklore titled ‘Maithili Lokakatha’ which had a reprint in 2006.

In addition to his original works, Ram Lochan Thakur has seven translated works to his credit. However, many moiré translated works are yet to be published. He was awarded the prestigious ‘Bhasha Bharti Samaan’ for translation of poems titled ‘Ja Sakai Chhi Kintu kiek jau’ published in 1999. He was also awarded for Prabodh Sahitya Samman in 2012.

Besides, Ram Lochan thakur has authored many essays published in various journals under the pseudonym of Agradoot which are waiting to be collected in a book form. He has edited many books and journals including renowned magazines like Agnipatra, Rangmanch,Mithila Darshan and slfa. Presently, he is devoted to editing the foremost magazine in Maithili titled Mithila Darshan.

He has been the pioneer poet of Agnijivi cult in Maithili poetry, an avid theatre enthusiast with several original and translated plays to his credit and a protagonist of the movement for the promotion of Maithili language and literature.

Ram Lochan Thakur is an author of Marixian worldview. He has profound love for Mithila and Maithili. He is the poet of people f Mithila; the poet of their sufferings and dreams. Satire, pathos protest and challenge are the prominent tones of his poetry. His poetic craft is very close to the common folk. There is a fine mingling of traditional and modern poetic forms in his compositions. Ram Lochan will ever be remembered in Maithili Literature for his love and pathos for the people.

उलहन 
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!
तजलक पूजा सब विद्यालय, नाम न लैछ महाविद्यालय !
मत मातल घमशान उपद्रव, जहिया मूर्ति भसान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

बाट बन्न अछि तोरे नामे, माघ बैरियर गामे-गामे !
समय गमायब, कथो सुनए मुक्का थापड़ कोचवान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

किए करत कियो तोहर अरधान, के पबैत अछि बड़का अन-धन !
तोहर देल कागत सबूत ल' ढहनाइछ  बबुआन !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

टॉप योग्यता पौने बौआ, तैयो चाही कसगर ढोआ!
से लक्ष्मीक कृपे सँ भेटए , तैं हुनक गुणगान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

बरदे सौंसे देशक देवा, जरसिक सेवा सध: मेवा !
जते पढुआ तते लफुआ, धनि किसान भगवान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

रटलनि वेद हमर परबाबा, फंकलनि छुच्छे धानक लाबा !
वैह कर्म हम फेर करू, बरु फोलब पान दोकान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

दूइर भेल इ हाथक वीणा, एकरा बजबए नगन हसीना !
टेप सिनेमा टेलीविजनो, गिरलक गान बजान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

विद्या पढने बेरोजगारी, करै तिरस्कृत अपने नारी !
बिना नोन रोटिक नियोजन, सरकारी अनुदान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

सौतिन तोहर परम लक्ष्मीनियाँ, तोरा सेवकक ओ दुश्मनियाँ !
अन्न बिना ओ मारि सकै, से ओकरा लेल असान!!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!

कनडेरियो जौं कने तकै छह, छाहरी तरक पाइ धरि दै छह !
ठिकेदार सन गुम्बज नहि हो, सगर देश सम्मान !!
हे सरस्वती तोरो चलती, दिन-दिन हैत मलान !!  

लेखक:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना:- कृपया क कें अही कविता क कोप्पी न करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.
Tag: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu


Total Pageviews

Popular Posts

  • Janakpur:- A Tourist Place of Mithila(Nepal)
  • Biography of Pandit Kashi Kant Mishra "Madhup"
  • MAITHLI RINGTONES
  • Dr. Jay Prakash Choudhary "Janak" Maithli Comedy:हे भगवती लs जा एकरा
  • Maithili Songs: Devi Maa Maithili Album Songs: Suman Saurabh Maithili Songs
  • MAITHLI SONGS: MACH FRY: MAITHLI DJ ALBUM SONGS:
  • MAITHLI SONGS: HAMAR AISHWARYA RAI MAITHLI ALBUM: MAITHLI DJ SONGS:
  • Maithili Devi Geet: Best Of Suman Saurabh
  • Madhav Rai Maithili Album:- Bam Blast
  • MAITHILI SONGS: CHITCHOR MAITHILI ALBUM SONGS
  • Comments
  • Tags

Copyright 2012 APAN MITHLA DHAAM. All rights reserved.

Designed by AMD.