Maithili Comedy:- शिवक घरतलाशी

शिवक  घरतलाशी 

के तोहर हर करतौ मान ??
सदिखन नग्न मसनहि डेरा, संग अपंग अंध कन्डेरा !
चिता भसम हित मचबह रेड़ा, तीन नयन अशुभक प्रमाण !!
के तोहर हर करतौ मान ??

ठकि  अनलह राजा केर बेटी, गुजर कोना चलतह बिन खेती !
की गिरिजा तोरा घर खएती, तदपि ब्याह लए छला हरान !!
के तोहर हर करतौ मान ??

आब न' भांग धथुरक आशा,उनटि गेलै पहिलुका पाशा !
ख़एबह पुलिस पहुचतौ बासा, घरक तलाशी सन अपमान !!
के तोहर हर करतौ मान ??

माला बनबक हित नर हत्या, लगतौ चारु चरण अगत्या !
भने एहन के पिचल लतिया, क्रुद्धा काली बरु अंजान !!
के तोहर हर करतौ मान ??

कतहु नै देखलौं एहन पियकर,विष पीबक हित पोसह विषधर !
पाँचो मुंह बेमेल भयंकर, अगणित दोष सरूप निदान!!
के तोहर हर करतौ मान ??

सब देवता ठकलक तोरा, नीक विभाग राखि निज झोड़ा !
तों धयलह संहारक डोरा, ओ सब जन्म मरण अभियान 
के तोहर हर करतौ मान ??

अर्द्धचंद्र मतलब गरगोंटिया, से छौ तोरा दुरमतिया !
छह जनजाति परबतिया, तैयो नै भेलो उत्थान?!!
के तोहर हर करतौ मान ??

यद्धपि हम बाजल छी सते, तदपि ह्रदय में भय अछि तते !
तोँ साबर -बाबर अछि जते, सब डाइनिक छह गुरु महान !!
तैं डर सँ हर करबौ मान !!

लेखक:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना:- कृपया क कें अही कविता क कोप्पी न करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.
Tag: maithli comedy, maithli chutkala, jay prakash choudhary maithli poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithli comedy of janak jee: Korthu, Ghanhan satyug aab, jay prakash choudhari”janak” jee, Maithili songs of janak jee, Maithili songs written by janak jee

thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

0 comments