MAITHLI COMEDY: JAY PRAKASH CHOUDHARY "JANAK" MAITHLI COMEDY:कमेंट्री


कमेंट्री
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!
चिक्का दरबरी खेल कतए गेल, सकदम खेल कबड्डी !
गाम-गाम अखराहा उसरल, कुश्तिमे अड्डी !
लंगर बुगली पेंच लदाना कते चुआबै घाम?
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

गुल्ली-डन्टा, गोली-गोली गेल्ले कौड़ी चित्ती !
तै गिद्धा गुरकान खेलमे, कते बाजी जीती !
औंक-मौंक चौंक चीरा लए गेल पचीसी गाम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

दंड बैसकी भेल निपत्ता, फुटि गेलै फुटबॉल !
कते खलीफा झिल्ल्म झाड़े मूँगरद्न्न हंटबॉल !
बिना खर्च केर खेल जमै छल, लगै कौड़ी दाम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

आन खेल नै कोनो फिल्ड्मे, तीन क्रिकेटक खुट्टी !
पाथर सन मजगुत बॉल फोड़े कते केर घुट्ठी !!
रन्न क्रिकेटक अबिते, डाली-पाती केलक अराम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

कान लगाकें सुनए रेडियो, बूढ़ा बौका बुच्ची !
छग्गा-चौगा-दुग्गा बेशी बुझए जे खुरलुच्ची !!
बिना दाव पेंचक खेल, करी हम राम सलाम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

कोनो आफिसर जते सहायक, हाकिम वा अध्यापक !
तजल काज सब कान रेडियो, आन्हर नगरिक नाटक !!
सुतैर गेलै तं शतक, लहलै जीरो पर विश्राम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

सब अकशाबानीक केंद्र सँ, सब दिन वैह कमेंट्री !
बल्लेबाज,विकेटकीपरक, नाम टेप पर इन्ट्री !!
भरि दिनुका संगीत कवितक कटमकटट प्रोग्राम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

मँगनी नै धर्मस्थल देखता, नमरी दs-दs मैच !
सचिन आउट युवराज अबैछै, बड्ड बनल छै बैच!!
जते सुर तुलसी जग जानित, ततबे धोनी नाम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !!

जहिना मुइलै कौड़ी, कबड्डी, तहिना ईहो जेता !
अति उच्चैहः पतन लगिचेलै, तखन कीर्ती  की लेता !!
एतै तेसर खेल क्रिकेटो जेतै नानी गाम !!
थोड़बो दिन जँ और जीब और की ' देखब ठाम !! 

लेखक :- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
साभार
:- जय प्रकाश चौधरी"जनक"
प्रस्तुति
:- राजीव मिश्र(अपन मिथला धाम)
सुचना
:- कृपया कें अही कविता कोप्पी करी और एकरा इत्र-वित्र जगह पर पोस्ट नै करी.

Tag: maithili comedy, maithili chutkala, jay prakash choudhary maithili poetry, janak jee ke kavita, janak jee ke chutkal, maithili comedy of janak jee

thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

1 comments