मिथिला सम्राट :- Hari Nath Jha ( A Biography of Korthu Ratn Harinath Jha)

प्रतिभा एकटा अविरल वस्तु होइत अछि! जेकरा में जतेक तरहक से ततेक निमन व्यक्ति होइत छथि! व्यक्तित्वक परख प्रतिभा माध्यमेटा होययै! कला ककरो बपौती नहि, ओ त साधनाक वस्तु थिक! साधनाक बले कहल जाय छै जे बैजू बाबरा मंजिरा पिघला देने छला आ तानसेनक गीत सुनबा लेल जंगल सँ हिरण सब अबे छल ! एक बेर पबित्र भूमि  मिथिला में बरखा नहि भरहल छलै तखन राजस्थान सँ ध्रुपद गायक सब आबि मेघराग(बादलराग) गेने छल, तत्पश्चात चिक्कन बरखा भेलै! कहबाक भाव इ जे संगीत त जानवरोक पियरगर होय छै आ संगे अदभुत शक्तिशाली सेहौ होयै ! सुर कें जखन गायक/गायकी अपन कंठ दे छथिन त मौन, अह गद-गद भ जाय छै! आधुनिक मैथिली जगत में ऐहने अदभुत नाम अछि, श्री हरिनाथ झा जी !मैथिली गायन, संगीतकार, आ ध्रुपद गायन सब क्षेत्र में अदभुत प्रतिभा सम्पन्न आदरनीय हरिनाथ झा जीक जन्म मिथिलाक दरभंगा जिला अंतरगत मधुप नगर कोर्थु में सन  6 जून 1967 कें स्वर्गीय बलराम झा आ रामदाय  देवीक परिवार में भेलनि! कोर्थु गाम मूलतः महाकवि चूड़ामणि प. काशी कान्त मिश्र मधुप"जी क कारणे साहित्यक झेत्र म बड़ चर्चित रहल अछि! एतहिक छथि वर्तमान लोकप्रिय हास्य कवि डा .जय प्रकाश चौधरी जनक"जी !कोर्थु गाम साहित्य एवं संगीतक रूप सँ समृद्ध गाम मानल जायत अछि !!!

इ राज्कृत जनता उच्च विधालय, शिवनगरघाट(कोर्थु) सँ 1983 में माध्यमिक, 1985 में C.M  Science College,दरभंगा सँ I.Sc केला ओते सँ पदार्थ विज्ञानं सँ 1988 में स्नातक केला! 

हरिनाथ झा बच्चे सँ संगीतक प्रति बताह रहला !!संगीतक शिक्षा प्रभाकर (B .A),भाष्कर( M .A), M. म्यूाज , M. फिल्म आदि केँ अतरिक्त हरिनाथ झा भारत क एहन पहिल कलाकार छथि जे आकाशवाणीक सब विधा ,यथाः, युवा वाणी, लोकसंगीत, सुगंम संगीत, शास्त्रीय संगीत, ध्रुपद संगीत एवंम नाटक में मनोनीत भेला !!!!


पछिरल गामक पाछिरल परिवार में जन्म भेलाक बादो हरिनाथ झा कर्मिक रूप सँ उन्नतिशील बनल रहला, तकर मूल आधार अछि गायत्री आ गुरु !!

गायत्री परिवारक संस्थापक सरंझक प .श्री राम शर्मा वेदमुर्ति तपोनिष्ठ आचार्य आ परम वंदनीया माता जी श्री मति भगवती देवी शर्मा हिनक मंत्र गुरु छथि!!!

दरभंगा क परम पूज्य संगीत गुरु पंडित हरिद्वार प्रसाद खण्डेलवाल हरिनाथ झा कें क प्रथम संगीत गुरु छथि!!  

दिल्ली प्रवासक मध्य ई ध्रुपद केर डागर परम्पराक शिष्य बनला आ पदम् श्री उस्ताद वसिफ्फुद्दीन डागर सँ शिक्षा ग्रहण करैत रहला!!!!मैथिली में  कैसेट-सी-डी आदि हिनकहि सत्प्रयास सँ प्रचलित भ सकल !!संगीत निर्देशक के रूप में मैथिली एवंम अन्यान भाषा में एक हजार सँ अधिक कैसेट T-Series आ कतेको अन्य कंपनी तक उपलब्ध अछि!! 25 सँ बेसी धारावाहिक में सेहो संगीत द चुकला!! 

इपटा, N.S.D, दूरदर्शन,संगीत नाटक एकेडमी,साहित्य कला परिषद आदि संस्था में इनपैनल हेवाक अतरिक्त हरिनाथ झा दूरदर्शन लेल कय टा धारावाहिक एवं वृतचित्र सेहो बना चुकल छथि !

1860 ई. में अंग्रेज भारत सँ 500 किसान पनिया जहाज सँ अफ्रीका ल गेल! इ किसान सब अन्य कारणे वापस नै आबि सकला आ अफ्रीका,लिसोटो,जिम्बाबे,बोतूसना आदि देश म बसि गेला! वर्तमान में हरिनाथ झा अहि भारतीय सभकेँ घरे-घर जा भारतीय संगीत,हिंदी,मैथिली ,भोजपुरी,पूजा-पाठ,मंत्र,परमपरा आदि सीखा रहल छथि !!!

आइ संप्रति इ दक्षिण अफ्रीका में रहि रहल छथि!

इ कोलकाताक मिथिला विकाश परिषद् दुआरा 2001 में मिथिला सम्राटक अलंकार सँ विभूषित कैल गेला जे हिनक अदभुत मैथिली सेवा लेल देल गेलनि ! छतीसगढ़ केर मैथिली मंच दुआरा विधापतिक गायनक "दादा फाल्के पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित छथि!

किछ अन्तराष्ट्रीय आ और दोसरो मैथिली संघक सम्मान स सम्मानित छैथ, जकर जानकारी हमरा नै अछि.....   

हरिनाथ झा जीक, युवा अवस्था क फोटो  

सवांद:- मनोहर कुमार झा, राजीव मिश्र   प्रस्तुति:- अपन मिथिला धाम   

Tags:- Hari Nath Jha, Maithili Singer Hari Nath Jha, Dhrupad singer Hari Nath Jha, Korthu Ratn Hari Nath Jha, Hari Nath Jha maithili Songs, Hari Nath Jha Video Songs, Free Download Hari Nath Jha Maithili Songs, Biography of Hari Nath Jha, Hari Nath Jha of Korthu Village(Darbhanga), Hari Nath Jha in South Africa, Hari Nath Jha


thumbnail
About The Author

मिथिला आ मैथिली कें विकाशक मात्र उदेश्य सँ "अपन मिथिला धाम " वेब पोर्टल चलाओल जा रहल अछि, कुनो तरहक सुझाव आ शिकायत हेतु संपर्क कैल जाऊ -

राजीव मिश्रा

MOBILE- 9804805265

EMAIL- rajeevmishra2591@gmail.com

FACEBOOK- 'https://www.facebook.com/Rajeev.2011'>

2 comments

  1. HINKA SAADI KE BARE ME KI KHABAR ACHI SAADI NAY E DAHEJ LEL E APAN PATNI KE CHOOR DELHKIN
    JE HINKAR PATNI AKHAN TAK HINKA AASHA ME CHAYN
    E BHAUT PAAP KENE CHAYTH

    ReplyDelete
    Replies
    1. एहनो पक्ष हिनक जीवन में छैन्हि से नीक बात नै

      Delete