background

APAN MITHLA DHAAM

  • home
  • Biography
    • Authors
    • Singers
    • Actors/Actress
    • मिथिला समाजसेवक
  • Mp3 Songs
  • Tourist
  • Video
    • Devotional
    • Folk
    • DJ
    • Download
  • Jokes
    • Audio
    • SMS
  • Wallpaper
    • Mithili Painting
    • Actors/Actress
    • Temples
    • Tourist Places
  • Movies
    • Download
    • Online
    • Information
    • Trailers
  • Life Style
    • Maithili Dish

Facebook Page

Recent Posts

Categories

  • Biography (12)
  • HariNath Jha (7)
  • MAithli Ringtones (1)
  • Madhav RAi (4)
  • Maithili DJ Songs (5)
  • Maithili Holi Songs (3)
  • Maithili Movie Information (5)
  • Maithili Singer (6)
  • Maithili Vivah Geet (1)
  • Maithli Bhakati Song (9)
  • Maithli Chutkala (12)
  • Maithli Comedy (12)
  • Maithli DJ Songs (7)
  • Maithli Devi Geet (8)
  • Maithli Movie Songs (4)
  • Maithli News
  • Maithli Poem (15)
  • Mithla News (4)
  • Ram Babu Jha (6)
  • Suman Saurav (12)
  • Sunil Jha "Pawan" (4)
  • Tourist Place (12)
  • Vidiyapati Geet (4)

Artist

Ansu Mala
Anuja
Gyaneshwar Dubey
HariNath Jha
Hemkant Jha
Madhav Rai
Mamta Raje
Meenu Mishra
Payal Mukharjee
Poonam Mishra
Prem Sagar
Ram Babu Jha
Suman Saurabh
Sunil Jha "Pawan"
Suresh Pankaj
Tripti Shakya
Udit Narayan Jha
Umanath Jha
Vikash Vibhuti
Showing posts with label Maithli News. Show all posts


२४म् कोकिल मंचक वार्षिकोत्सब में ३२म्  नाटक प्रस्तुति १६.०२.२०१४  क महाजाति सदन,कोलकता में होमय जा रहल अछि !
डॉ. अरविन्द अक्कू क लिखल नाटक अलख-निरंजन, गंगा झा के निर्देशन म प्रस्तुत होयत !
डॉ. अक्कू एहि नाटक में मिथिला ग्रामोन्मुखी चेतना अनबाक आवाहन युवा वर्ग सँ करै छथि आ संगहि नारी शिक्षा पर बल दैत, नारी के स्वाभिमान स्वावलम्बी बनेबाक उत्साह भरै छथि !
नाटक के मनोरंजन बनेबाक हेतु, अन्याय विरोधी चरित्र सेहो बलवती अछि !  

Tags:- Maithili Natak alakh niranjan, Maithili Drama Alakha Niranjan, Maithili Drama Plays,



कलकत्ता. मध्यमग्राम कांड केर धाह सं कलकत्ता झड़कि गेल अछि एहि संपूर्ण मामिला मे मैथिल उदासीनता शर्मनाक अछि. ममता बनर्जी सरकार कें सत्ता मे अयलाक बाद बंगाल मे दुष्कर्म केर कांड मे जाहि तरहें वृद्धि भेल अछि. ई स्थिति आजादी सं पहिने भेल ओहि घटनाक स्मरण करबैत अछि, जाहि कें बाद गांधीजी सेहो मर्माहत भेल छलाह. सरकार केर हालति ततेक खराप छै जे ओ पीड़िता केर दुःख सं बेसी अपन बचाव मे लागल अछि. पुलिस विभाग केर नाकामी जगजियार भेने प्रशासन गुम्म अछि. देश भरि मे बदनाम होइत छवि कें बचयबाक लेल सरकार कें जतेक भ' सकैत अछि अपन बचाव लेल अपस्यांत अछि. एहि समस्त क्रियाकलाप मे पीड़िता ओ ओकर परिवार केर घोर उपेक्षा जे भेल अछि, जे निंदनीय अछि. ज्ञात हो जे पीड़िता मिथिला सं सम्बन्ध रखैत अछि आ समस्तीपुर केर निवासी अछि. दुष्कर्मक बाद किशोरी कें जरा क' मारि देल गेल जकर बाद बवाल शुरू अछि. कलकत्ता मे विभिन्न संगठन द्वारा सरकार केर विरोध मे जुलूस आदि निकलल जा रहल अछि. मामिला मे सौरभ गांगुली, गीतेश शर्मा सहित बुद्धिजीवी लोकनि आगां अयलाह अछि.
कतय अछि मैथिल संगठन?
कोलकाता मे साल भरि विभिन्न तरहक साहित्यिक-सांस्कृतिक गतिविधि चलौनिहार मैथिल संगठन सभ एहि मामिला चुप अछि. किनको कनियो फुरसति नहि अछि जे अप्पन लोक लेल किछु क' सकत. किछु दिन पूर्व मिथिला केर हक़ लेल पार्टी चलौनिहार एक नेता एही घटना कें ल' मिथिमीडिया सं संपर्क केलनि आ मिथिमीडिया दिस सं सूचना उपलब्ध कराओल गेल. तहिया सं आइ धरि ओहि नेता कें एहि कें ल' किछु करैत ने देखल गेल आ ने सुनल गेल. मैथिल लोकनि द्वारा एहि मामिला मे निश्चिन्त रहब शर्मनाक अछि. कलकत्ता एहि मामिला मे बेस कमजोरी देखओलक अछि. एतय युवा एक्टिविस्ट केर पूर्ण अभाव अछि. साहित्यिक-सांस्कृतिक गतिविधि मे सभ सं बेसी एक्टिव महानगर जनसरोकारी मामिला मे नयन निच्चा कयने अछि. धियान देबय योग्य बात ई अछि जे बिहारी संगठन सभ सेहो मामिला मे कतियाएल अछि.
हमसे किसी ने कहा ही नहीं!
पीड़िता केर पिता एक समाचारपत्र कें देल बयान मे कहलनि अछि जे मैथिल समाज केर अंग रहने हुनका गुमान छलनि मुदा बेर पर केओ काज नही आयल. जखन मिथिमीडिया एही मामिला मे कलकत्ता मे अपना कें मैथिल समाज केर पक्षधर राजनेता कहयवला नेता सं संपर्क केलक त' ओ कहलनि जे हमरा पीड़ित दिस सं केओ संपर्क नहि कयलक. हम एहि मामिला मे अपना दिस सं बहुत किछु क' रहल छी. यौ सरकार, आब करय लेल बांचल की अछि? ज्ञात हो जे ओ नेता सत्तासीन पार्टी सं जुडल छथि आ निष्क्रियताक कारण राजनीतिक बाध्यता भ' सकैछ. ओम्हर एहि समस्त मामिला मे मैथिल बुद्धिजीवी लोकनि सुगबुगायब शुरू केलाह अछि. बिहार सरकार दिस सं पीड़ित परिवार कें देल आर्थिक मदति राहत आ उसास लेने आयल.
पीड़ित परिवारक संग अछि जनसमूह
अपराधी पुलिस गिरफ्त मे अछि आ ओकरा फांसी केर सजा देल जयबाक मांग कयल जा रहल अछि. पीड़ित परिवार कें मीडिया, बुद्धिजीवी ओ जनसमूहक संग अछि. वामसमर्थित संगठन सभ सेहो शुरुए सं पीड़ित परिवार केर संग अछि जे सभ तरहक मदति लेल तैयार अछि. महानगर मे सरकार कें घेरबाक कोनो अवसर विपक्षी नहि छोड़य चाहैत अछि. मामिला केर राजनीतिकरण भेने बिहार सरकार द्वारा पहुँचाओल आर्थिक मदति कें सेहो लोक ओही चश्मा सं देखैत अछि. मुदा जे हो मिथिला-मैथिली नाम पर अपन राजनीति चमकाबयवला नेता सभ देखार भेलाह अछि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)


KOKIL MANCH 
मैथिलीक उत्कृष्ट नाट्य संस्था कोकिल मंच केर 23म वार्षिकोत्सवक अवसर पर मंच द्वारा महानगर स्थित महाजाति सदनमे 3 फ़रवरी 2013 कें सायं 4:30 बजे समस्यामूलक नाटक 'पातक मनुक्ख' केर सफ़ल मंचन भेल. पं. गोबिन्द झा द्वारा लिखल कथाकें नाट्यरूप देने छथि प्रसिद्ध नाट्यकार अरविन्द अक्कू. समाजक ज्वलंत समस्या पर केन्द्रित एहि नाटक केर उद्दॆश्य सामाजिक सुधारोन्मुखी तथा जन चेतना कें जगाबय बला अछि. 'पातक मनुक्ख' एक तरहें मिथिला समाजमे व्याप्त धन-लोलुप दबंग आ साधारण मनुक्खक विषम परिस्थितिसं अनुचित लाभ उठाबय बला तथाकथित समाजक दलाल केर कुप्रवृति पर साहित्यिक, सामाजिक प्रहार आ कटाक्ष अछि. हमर समाजमे एहि कुप्रवृतिसं ग्रसित लोक एखनो धरि समाजगत ढांचा कें विध्वंश करय पर लागल अछि. मानवीय व सामाजिक मूल्यक हनन, संवेदनशून्य लोक कें सजीव चित्रण कयल गेल अछि एहि नाटकमे. 

मंचित नाटककें केन्द्र बिन्दुमे एक एहन अबलाक मार्मिक कहानी अछि जिनक पति ग्रामीण दबंगक चालि चलनसं प्रताड़ित भ’ भागि जाइछ. हुनक दियाद भाय एवं तथाकथित शुभचिन्तक गामक दबंग लोक कें संगे गरीबीक मारल अबला लालगंज बाली काकी केर जीवित पति बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनाक' श्राद्ध-कर्मक नाम पर सब जमीन अपना नाम करबाक कुचक्र रचैत अछि. मुदा हरेक समाज मे नीक लोक होयत अछि. नीक लोकक प्रतिनिधिक रूप मे समाज सेवक प्रकाश आ समाज सेविका बहिन दाइ किछु सहॄदय ग्रामीणक सहयोगसं ओहि अबला कें पतित लोकसं रक्षा करैत अछि. भरल समाजक सोझामे गामक जमीन्दार फ़ूदन ठाकुर श्राधक कार्यक्रम करबाक लेल बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनेबाक आदेश देइत अछि त' दोसर दिस जमीन अपन नाम करबाक लेल संतोषी मिसिर कें स्टाम्प पेपर थमा देइत अछि लाल काकी केर अंगूठाक निशानी लेल. जोर जबरदस्ती सं लालगंज काकीक अंगूठाक नेशान लयबाक कुचेष्टा होइत अछि. मुदा समय पर प्रकाश, बहिन दाइ आ किछु नीक ग्रामीणक सहयोग सं एहि कुचाइलक भंडाफ़ॊड़ भ’ जाइत अछि.

अभिनयक दृष्टिसं गंभीरतापूर्वक विश्लेषण कयला पर लालगंज बाली काकीक भूमिका मे किरण झाक अभिनय जीबंत छल. किरणजी जाहि तरहे जीवनक मार्मिकतासं अपन भूमिकाक निर्वहन कयलनि ओ बड्ड प्रशंसित भेल. प्रारंभ सं अन्त धरि हुनक आंखिमे नोरक प्रवाह दर्शकक आंखिमे देखल जा सकैत छल. हुनक संवाद अदायगी अभिनीत चरित्र कें जीवंत बनेने छल.
तथाकथित धनाढय व्यक्ति केर लगुआ-भगुआ संतोषी मिसिरक भूमिका मे संजय ठाकुर केर अभिनय सराहनीय छल. बाजय केर ढंग, मंच पर हुनक चलबाक ढंग, आंखिक संचालन वाच्य-अंतरण आदि संतोषी मिसिरक चरित्र कें सजीब बना देने छल. करगर आवाज आ मोंछ पर ताव देबय बला अंदाज एहन जे दर्शक कें मोनमे हुनका प्रति घृणा उत्पन्न कय देने अछि, एहन बुझना गेल.
समाज सेवक आ सुधारक प्रकाश केर भूमिका रंजीत कुमार झा पूर्णतया उपयुक्त लागल. रंजीत जी अपन भूमिका सं नीक जकां निमाहलनि. हुनक अभिनयक अहम पक्ष छल हुनक संवाद. एक-एक संवाद मे किछु ने किछु सकारात्मक संदेश छल. एहि नाटकमे अपन अभिनयक द्वारा नाटकक मुख्य संदेश दर्शकक माध्यमें समाज धरि पहुचाबयमे सफ़ल भेलाह. कोलकाता स्थित रंगमंच पर नवतुरिया रंगकर्मी सबमे रंजीतजी एकटा उत्साही, सफ़ल, प्रभावी रंगकर्मीक रूपमे उभरि क' अयलाह अछि. हुनक सहकर्मी आ समाजसेविकाक भूमिका मे गीता चौधरी सेहो बड्ड नीक अभिनय कयलनि अछि. मुदा किछु बेसी बयस होमय केर कारण हुनक अभिनयमे एकटा सशक्त समाज सेविकाक किरदार परिलक्षित होमयमे किछु खटकल.




रंगकर्मी सुधाचन्द्र झा गामक धनलोलुप व्यक्ति फ़ूदन ठाकुरक भूमिकामे छलाह. नाटकक खल पात्रक भूमिका संग इमानदारी बरतलाह. हुनक अभिनय प्रशंसनीय छल. पंडित जीक भूमिकामें आनन्द किशोर ठाकुर छलथि जे चलय व बैसय केर क्रममे दू तीन बेर मंच पर खसि पड़लाह आ एहि तरहे बीच-बीचमे दर्शक कें खूब हसबैत रहलाह. ग्रामीणक भूमिकामे राजीव मिश्र, प्रकाश मिश्र, देबेन्द्र झा आदि केर नीक काज रहल. ऑफ़ स्टेज सहयोगमे शीतल झाक अहम योगदान छलनि. कुल मिला क' नाटकक सब पात्रक अभिनय दर्शक कें भरि नाटक बान्हिकए राखयमे सफ़ल भेल.
अनुभवी नाट्य निर्देशक गंगा झाक संचालन आ निर्देशनक बड्ड विशिष्ट छल. मानसिक द्वंद्व कें प्रदर्शित करबाक लेल किछु नीक प्रयोग केने छलथि. परिणामस्वरूप नाटक बेसी स बेसी प्रभावी बनैत चलि गेल. मंच पर किछु एहनो प्रयोग छल जकरा देखला सं सिनेमामे प्रयुक्त तकनीकक इयाद दियौलक. गंगा बाबूक सफ़ल निर्देशनमे संपन्न आ मंचित भेल ई सफ़ल नाटक अपन उद्देश्य में सेहो सफ़ल भेल, एहन बुझना जा सकैछ.



नाट्य मंचन सं पूर्व आयोजित उदघाटन कार्यक्रममे मंचस्थ पाहुन व शिक्षाविद भोगेन्द्र झा आ कोकिल मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र केर नीक उदगार सुनबाक भेटल. अतिथि लोकनिक द्वारा विद्यापति पर माल्यार्पणक पश्चात मंचक सचिव नबोनारायण मिश्र समस्त मैथिल दर्शककें अभिनंदन करैत कहलाह जे मंच जे कहैत अछि से एकर कार्यमे परिलक्षित होइत अछि. पूर्वमे मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्रक ओहि आश्वासन पर फ़ेर चर्चा करैत कहलाह जे आश्वासन केर अनुसार 25 वर्ष केर उपलक्ष्यमे एक सप्ताह्व्यापी नाट्यप्रस्तुति होयत. आ ओ ऒहि दिनक प्रतीक्षा कय रहल छथि.
एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि आ प्रख्यात मैथिल शिक्षाविद आ समाजसेवी भोगेन्द्र झा अपना आप कें समस्त मैथिल-मैथिली गतिविधिसं जोड़ैत कहलनि जे ओ कोकिल मंचक सदस्य छथि. मंचक पूर्व गतिविधि पर प्रकाश रखैत कहलाह जे 23 वर्ष एकटा पैघ समय होइछ. कोकिल मंच कें अपन उद्देशय मे आगू बढबा पर धन्यवाद देइत कहलाह जे मंचक 25 वर्ख भेला पर एकटा महोत्सवक आयोजन होयत. संगहि मनक क्षोभ व्यक्त करैत कहलनि जे सांस्कृतिक राजधानी कोलकातामे बहुत रास संस्था अछि. मुदा ई सब संस्था टूकड़ा-टुकड़ा मे बटल अछि जेकि मिथिलाक लेल शुभ नहि. आपसी मतभेदक अखाड़ा बनि रहल अछि ई सब संस्था. मिथिला समाज मे “टंगखिचुआ” अपसंस्कृति केर भर्त्सना करैत कहलाह जे मिथिलामे आपसी एकता पर जोर देबाक आवश्यकता अछि. हरेक क्षेत्रमे कार्यरत मैथिल सब कें ‘हाइलाइट' करबाक आवश्यकता अछि. अन्तमे संस्था सबसं अनुरोध करैत कहलाह जे हम सब अद्भुत कार्य करी जाय सं मिथिलाक नाम होअय. समाज आ जीवनक दर्पणक रूप मे जानल जायबला विधा नाटक कें प्रोत्साहन भेटबाक चाही.


मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र नाटकक पैटर्न परिवर्तन केर समर्थन करैत बजलाह जे वर्तमान समय मे नाटक पुरना-धुरना तकनीकक सहयोग सं भ' रहल अछि. आब आन रंगमंच जेना मैथिली रंगमंच कें आधुनिकीकरण होबाक चाही. संगहि आश्वासन देलनि जे भविष्यमे अत्याधुनिक तकनीक केर उपलब्धतामे यथासंभव सहयोग प्रदान करताह. मंच संचालन नाट्य निर्देशक गंगा झा कएलनि.

उद्घाटन समारोहक बाद टाटानगर सं आयल मैथिलीक चर्चित गायिका अंजू कात्यायन द्वारा किछु मैथिलीक गीत प्रस्तुत कयल गेल. अंजू जीक गीत पर दर्शक झुमैत रहल. हाथक थपड़ी अंजू जीक उत्साह बर्धन करैत रहल. महानगरमे एकटा आर मैथिली कार्यक्रमक आयोजनक बादो नाटकक आनन्द उठाबय लेल उपस्थित दर्शकक अप्रत्यासित उपस्थिती देखबा योग्य छल. अतेक पैघ प्रेक्षागृह केर निचला सीट के' कहय, उपरका तल्ला पर सेहो दर्शकक उमड़ैत भीड़ अपन स्थान धेने छल जे ई साबित कय रहल अछि कि नाटकक लोकप्रियता मे कमी नहि, वृद्धि भ' रहल अछि.
एहि अवसर पर उपस्थित गणमान्यमे रामलोचन ठाकुर, युगलकिशोर झा, दयानाथ झा, किशोरीकान्त चौधरी, भवनाथ झा, योगेन्द्र पाठक 'वियोगी' प्रमुख छलाह.

(Report/Photo: भास्कर झा)
Sabhar:- Mithi Media

KOKIL MANCH KOLKATA

कलकत्ता. मैथिली नाट्य संस्था कोकिल मंच, कोलकाता द्वारा 3 फ़रवरी 2013 कें सांझ 4:30 बजे महानगर स्थित महाजाति सदनमे मैथिली नाटक 'पातक मनुक्ख' केर मंचन होयत. पं. गोबिन्द झा द्वारा लिखल कथा पर आधारित अछि ई नाटक, जकरा नाट्य रूप देने छथि नाट्यकार अरविन्द 'अक्कू'. मंचन केर जनतब देइत नाट्य निर्देशक गंगा झा हर्ख व्यक्त करैत कहलनि जे जेहन नाटकक तलाश छल से पूरा भेल. एहि बेर पातक मनुक्ख कें मंच पर आनब. नाटकक चयनक पश्चात् तैयारी सेहो चलि रहल अछि.
ज्ञात हो जे कोकिल मंचक स्थापना 1989मे मूलत: सांस्कृतिक गतिविधिक ध्यानमे केन्द्रित करबाक उद्देश्य सं कयल गेल छल. मंच कुल 30 गोट मैथिलीक मौलिक आ अनुदित नाटकक मंचन गंगा झाक सफ़ल निर्देशनमे कलकत्ता सं मिथिला धरि निरंतर सफ़लतापूर्वक करैत रहल अछि. किछु दिन पहिने कोलकाता मिथियात्रीक-झंकार द्वारा मैथिली नाटक 'शेष नइ' केर सफ़ल मंचन भेल छल आ दर्शक लोकनिकवाहवाही बटोरबा मे सफ़लता भेटल छल. आशा कयल जा रहल अछि निस्सन नाट्य-निर्देशक गंगा झाक निर्देशनक बसात आ माजल रंगकर्मी लोकनिक अभिनय करामात 'पातक मनुक्ख' कें खूब डोलायत.
 (Report : भास्कर झा)

Tags:- Kokil Manch Kolkata, Kokil Manch drama Kolkata, Kokil Manch drama in mahajati sadan kolkata, maithili drama in kolkata, ganga jha drama by kokilmacnh kolkata, Maithili Natak play by Kokil Manch Kolkata in 2013.
APAN MITHILA DHAAM is a maithili site. Here you can download maithili Mp3 songs, maithili video songs, maithili actress wallpaper, Maithili Movie, Madhubani Panting, Mithila Painting Maithili Ringtone, Maithili Comedy, Maithili Poem, Biography of Maithili Great author, Biography of Maithili Singer, Biography of Maithili Artist, etc... in fully free. you can also get some important news, Tourist place in Mithila, maithili new movie information,. 
If you like this site? then please, like our Facebook Page and help me to develop maithili and mithila.... if i did any mistake then please give me your valuable advice...
Jai Maithil Jai Mithila


नमस्कार, समस्त अपन मिथला धामक प्रायोजक, दर्शक, प्रसंसक, लाभुक, सुभेझुक, मदद के निहार सब कें हमर प्रणाम!!!
हे, आब बजबू थोपड़ी बंधुगन, अछि साँठल पेटार स, दूबि-धान सन बड़े रमन गर, हे सौंस मखानक फोका सन मनगर , ततबे नहि
टटका जलेबी सन सोहनगरो आ हे सुनु सुनु, ननदी-भौजक रसगुल्ला वाला गीत!!!
बैसू-बैसू छाती पर हाथ राखु, हं त कहे छलो बुड पुरानक घूर तरक गप्प, रे छौरा बइस हाम्रो बाजे दे!!!
ह मंत्रीक हाल आ गाम घरक समद सेहो, आ मरिते रास टना टना बला गप सैह-सैह रिंगटोन!!
हये, कनियाँकाकी कहे छी, अहि खातिर सिनिमाक गप सेहो!
हयो कका साहित्य केर सेहो पूरा जोगर!!!
लुटू सब गोटे मज़ा अहीं लोकनिक चखना अपन मिथला धामक!!!!!!!


Tags:- Maithili site, www.apanmithiladham.com, maithilisong.pk,wwww.maithilisongs.pk,maithili mp3.com,madhav rai songs,madhav rai maithili songs, apanmithladhaam, www.apanmithladhaam.com

"मैथिली आ मिथिला
'
युवा सपनाक आवाज'
 
एकटा नव प्रयास अछि हर्ष क बात ई जे मिथिलाक  तीर्थ कोलकता सं ई  प्रकाशित होयत ! इ पत्रिका मुख्यतः युवाक समर्पित अछि !
मुख्यतः अहि म कथा,लघुकथा,कविता,गीत,गजल,सिने जगत,खेल खिलाड़ी,चक्लस, आ गतिविधि रहत !
हम सब नव छी! कुनो  तरहक सुझाब आ सहयोगक  अपेझा करै छी ! कुनो चिर-परचित  लोक आयोजक म नै छैथ!
आशा करै छी, नवतुरियाक  प्रयास अपने सब क नीक लागत! बड बेसी सौभाग्य हमर होयत की अपने सब गोटे यथा योग मदद करब !
रचनाकार आ विज्ञापन  हेतु संपर्क  करी !

         संपर्क:  
     9883186153
     9804805265
Email:-maithiliaamithila@gmail.com
जय मैथिली जय मिथिला !!

जनकपुर में अपन शहादत देलैथ, लगभग दस गोटे गंभीर अवस्था में घायल सेहो छैथ..
नेपाल में पृथक मिथिला राज्यक निर्माणक मांग ल’ क’ बड्ड भारी संख्या में धरनार्थी जनकपुर के रमानन्द चौक पर धरना पर बैसल छलैथ ओहि क्रम एकरा विफल करै लेल धरना स्थल पर बम विस्फोट क’ देल गेल..
शहीद होबै बला सेनानी में मैथिली रंगमंच आ फिल्मक अग्रणी कलाकार रंजू झा सेहो शामिल छलीह..
जिनगी भरि मैथिली के सेवा करैत रहै वाली अंजू झा आइ मिथिला के हक आ अस्तित्व लेल.. सीता जकां आई पृथ्वी में समा गेलीह, ई संयोग छै कि आई सीतानवमी सेहो छै ..
हुनका संग मुखियाजी फिल्मक सेट पर, काठमांडू में अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन, दिल्ली में मिनाप के नाटक “ओ खाली मुँह देखैत छै” के मंचन आ मिनाप जनकपुर कार्यालय में कतेक बेर संग होबाक मौका भेटल छल..
रंजू जी बड्ड प्रतिभाशाली आ मैथिली के लेल समर्पित कलाकार छलीह..
हुनकर शहादत स’ मैथिली कला क्षेत्र आ मिथिला-मैथिली आन्दोलन के बड्ड आघात पहुँचल..
अंजू झा जी आ हुनका संगे शहीद भेल सब सेनानी के ह्रदय के कोन स’ श्रद्धांजली..
उम्मीद ऐछ जे हिनका सभक शहादत अहि आन्दोलन के नब बल देत.. आ मिथिली-मैथिली के ओकर हक जल्द भेटत.
 शांतिपूर्ण धरना मे हिंसा पसारबाक जतेक निंदा कयल जाय कम अछि.
 शहीदक शहादत अकारथ नहि जायत. जय मिथिला ! जय मैथिली !!

A versatile and vibrant actor of maithili theatre and maitili films Smt. Ranju Jha is passed away in communal conflict bomb blast in Janak Pur, Nepal. recently she performed a very vibrant charector role in a maithili film MUKHIYA JEE released a few days ago. i express my sincere condolence for her soul that may rest in peace in heaven.
sabhar:: Bhavesh Nandan,Vikash Jha
Tag: Maithili news, maithili movie, maithili movie information, maithili video songs, maithilio mp3 songs, maithili actress ranju jha
कार्तिक धबल त्रियोदशी मैथिलीक ब्रांड एम्बेसडर कवि पति, कवि कंठहार, महाकवि विद्यापतिक स्मृतिक अवसर पर १३ नवम्बर २०११ कें कोल्कता आ अहिक लग पासक मैथली संस्था सब दुआरा विद्यापति विद्या मंदिर मुक्ताराम बाबु स्ट्रीट स प्रारंभ भ एकटा विशाल शोभा-यात्रा कें आयोजन भेल इ यात्रा विद्यापति सेतु सियालदह आबि सभा में परिणत भेल!
मुख्य आकर्षण रहल मिथलाक प्रसिद्ध झरनी, समां-चकेबा, जट-जटिन! 
विश्व प्रसिद्ध लिखिया मधुबनी पेंटिंग सँ बनल शॉल मुख्य अभ्यागत गण कें देल गेलनि!
बेनीपटिक विधायक विनोदानंद झा, अस्थानीय सांसद सुदीप बंधोपाध्याय आ अस्थानीय पार्षद रिंकू घोष संग मैथलीक महान साहित्यकार आ समाजसेवी लोकनी सेहो उपस्थित छला!!!!!

समाद- मनोहर कुमार झा 
प्रस्तुति- राजीव कुमार मिश्र (अपन मिथला धाम) 
शोभायात्रा क किछ मुख्य दृश्य :-
देवी वंदना करैत बाल गायिका :



मिथला विकाश परिषद् कोल्कता दुआरा आयोजित कलश यात्रा :
जट जतिन क झांकी :

महाकवि विद्यापति आ उगना क भाभुक दृश्य :
हम किछ स्कूली बच्चा सब क संग:
हमर  अपन किछ मित्र गण क संगक दृश्य:
नस्करहाट मैथली संघ कें अधिय्झ बासुकीनाथ झा,आ  नौसाद भाई  कें संगक हमर दृश्य:
महाकवि कें पुष्पांजलि अर्पण केला क  बाद , कवि रामलोचन जी:
सभा क संबोधित करैत मिथला क प्रसिद्ध कवि रामलोचन जी:
मिथला कें महान कवि लोकेन क साथ हमर दृश्य :
प्रसिद्ध कवि रामलोचन जी कें संग मिथला कें युवा कवि मनहोर झा (ग्राम-कोर्थु):
मिथलाक दार्शनिक सभ्यता:
मैथली कवि मिथलेश जी आ देवसंकर जी :
मैथली कवि आ समाजसेवी नावोनारायण जी ,कमलाकांत जी आ मिथलेश जी:
बेनिपटिक विधायक विनोदानंद झा जी आ दरभंगा आकाश्बानी कें मणिकांत जी :

Total Pageviews

Popular Posts

  • MAITHLI SONGS: MAITHLI THUMKA
  • Janakpur:- A Tourist Place of Mithila(Nepal)
  • MAITHLI RINGTONES
  • Pokhram:-कुषाणवंशक लक्ष्मी नारायण मंदिर बढ़ा रहल अछि मिथिलाक महिमा !!!
  • MAITHILI KAVI-KOKIL:- VIDYAPATI(जीवन परिचय )
  • MAITHLI SONGS: MAITHLI BHAKATI BHAJAN
  • MADHAV RAI: MAITHLI SONGS
  • Maithili DJ Songs By Madhav Rai
  • RAM BABU JHA: MAITHLI SONGS
  • Maithili Chhath Songs:- Chhathi Maya
  • Comments
  • Tags

Copyright 2012 APAN MITHLA DHAAM. All rights reserved.

Designed by AMD.