background

APAN MITHLA DHAAM

  • home
  • Biography
    • Authors
    • Singers
    • Actors/Actress
    • मिथिला समाजसेवक
  • Mp3 Songs
  • Tourist
  • Video
    • Devotional
    • Folk
    • DJ
    • Download
  • Jokes
    • Audio
    • SMS
  • Wallpaper
    • Mithili Painting
    • Actors/Actress
    • Temples
    • Tourist Places
  • Movies
    • Download
    • Online
    • Information
    • Trailers
  • Life Style
    • Maithili Dish

Facebook Page

Recent Posts

Categories

  • Biography (12)
  • HariNath Jha (7)
  • MAithli Ringtones (1)
  • Madhav RAi (4)
  • Maithili DJ Songs (5)
  • Maithili Holi Songs (3)
  • Maithili Movie Information (5)
  • Maithili Singer (6)
  • Maithili Vivah Geet (1)
  • Maithli Bhakati Song (9)
  • Maithli Chutkala (12)
  • Maithli Comedy (12)
  • Maithli DJ Songs (7)
  • Maithli Devi Geet (8)
  • Maithli Movie Songs (4)
  • Maithli News (8)
  • Maithli Poem (15)
  • Mithla News (4)
  • Ram Babu Jha (6)
  • Suman Saurav (12)
  • Sunil Jha "Pawan" (4)
  • Tourist Place (12)
  • Vidiyapati Geet (4)

Artist

Ansu Mala
Anuja
Gyaneshwar Dubey
HariNath Jha
Hemkant Jha
Madhav Rai
Mamta Raje
Meenu Mishra
Payal Mukharjee
Poonam Mishra
Prem Sagar
Ram Babu Jha
Suman Saurabh
Sunil Jha "Pawan"
Suresh Pankaj
Tripti Shakya
Udit Narayan Jha
Umanath Jha
Vikash Vibhuti
 
Maithili Devi Songs :- Best Of Suman Saurabh
1. HAMRA LEL MAI AANKHI KIYA MUNNI 
2.BETA KE CHHOR PAANTAR ME 
3.KONA KE VIDA TORA KARAB HEY JANNI 
4. Maya Baniyo nai Bedardi
5.Ayelo ham saran me maiya
    6.Ma Sherowali ke
07. HUM BHOR HARIYA MEY 
08. JAG JANNI BHAVTARNI
9. MAYE HAMAR NEY DOSAR KIYUN
10. HEY KARUNAMAI JAGDAMBA
11. CHHO PUOT VADE VIKAL
12. AYCHRA KEY ASRA MEY
13.AAHUN CHHORI MAIYA RANI
14.EK DIN GHAR E GARIBAK MAIYA RANI AABU NE 
15.HE MAIYA HAMAR NE DOSARAAN 
16.HE MAIYA KAHIYA DARAS DEKHAYAB 
17.MAI SUNIYAU HE 
18.MAIYA MAIYA JAG KE TUHITA MAIYA MAIYA
 
Tags- Maithili Durga Puja Geet, Maithili Durga Puja Songs, Maithili Geet, Maithili Devi Geet, Suman Saurabh Maithili Bhakti Geet , Maithili Devi Mahima, Devi Vandana, Devi Maa, Maithili Mp3 Devi geet, Maithili Mp3 Devi Songs, Best Of Suman Saurabh


मूल नाम- मनीष कुमार झा
रचना में- मनीष झा “बौआभाई”
पिता – पं. श्री नारायण जी झा
पितामह – स्व.पं. सत्यदेव झा
जन्म तिथि- २५ अगस्त १९८१ ई.
जन्म स्थान :
ग्राम+पोस्ट- बड़हारा
भाया – अंधरा ठाढी
जिला -मधुबनी (बिहार)
पिन-८४७४०१
पठन -पाठन :
जागेश्वर रामेश्वर संस्कृत मध्य विद्यालय, बड़हारा (वर्ग सातम तक)
राजदेव जनता उच्च विद्यालय, नवनगर (वर्ग दसम तक)
आर. के. कॉलेज, मधुबनी [बी.कॉम.(प्रतिष्ठा) तक]
अर्थोपार्जन :
वर्तमान में एकटा बहुराष्ट्रीय (सिंगापुर) कंपनी में कार्यरत I
कैसेट (गीतकार)क रूप में-
१. सरस्वती पूजा (JAISHREE CASSETES)
२. मइया रानी (SUGATI SOPAN)
३. हे भोला बाबा (TOP MUSIC)
४. बिजुरिया चले छम-छम (MCPL)
५. सजनाक प्रेम(AAVL)
६. जुल्फी वाली रनियाँ भाग-२ (T-SERIES)
७. हेल्लो मिथिला (T-SERIES)
८. रसमलाई (K.N.PRODUCTION)
९. झारखण्ड बोकारो घुमइबौ गे-खोरठा (RP MUSIC)
१०.आँच (A-one films & entertainment)
११.मूड फ्रेश (A-one films & entertainment)
१२.सरस्वती पूजा भाग-२ (A-one films & entertainment)
पत्रिका (कवि/लेखक)क रूप में :-
आँकुर त्रैमासिक पत्रिका-
(i) आचरण(कविता),
(ii) अफरल पेट(कविता),
(iii) प्रशंसा पत्र(कविता),
(iv) माय बाप के बखरा(कविता)
(v) हमरा चाही ढौआ(कविता)
(vi) नैं छै ओ सम्बन्ध सरोकार (कविता)
(vii) दुनु बापुत (कविता)
(viii) सत्ता के शिकार (कविता)
स्मारिका -वी एम वाई एम
(i) ऋतु बसंत(कविता)
(ii) मिथिलाक चित्रकला(लेख) ,
(iii) केदैन पुछैइयै (कविता)
(iv) जय भारती करी आरती(आरती),
(v) मैथिली गीत संगीत (लेख),
(vi) माय (कविता)
(vii) समयक अश्रुपात(कविता)
(viiii) सरगम(कविता)
(ix) समाजक प्रेरणा (कविता)
झलक मिथिला (साप्ताहिक समाचार पत्र)
(i) फहराइयै पताका (कविता)
(ii) छी मानव अलबत्ते हम (कविता)
(iii) श्रद्धांजलि (कविता)
विदेह (प्रथम इंटरनेट पत्रिका)
मैथिल आ मिथिला (इंटरनेट पत्रिका)
आ आन-आन दर्ज़नो पत्रिका में प्रकाशित रचना I
एखन धरि करीब २५ टा स’ बेसी मंच पर
मंच सञ्चालन/गायन/कविता पाठ आदि प्रस्तुत क’ चुकल छथि I
विभिन्न विषय पर अनेको रचना प्रकाशाधीन आ कैसेट्स सभ प्रक्रिया में I
हिनक विस्तृत जानकारी भेटत
Blog: www.manishjha1.blogspot.com

कविकोकिल विद्यापति ठाकुर, मैथिल ब़ाह्मण, मूल विसैवार, सौराठ ग़ाम के निवासी छलाह ।पश्चात् विसफी ग़ाम में आवि वसलाह । हुनक धम॔ पत्नी सुधीरा, दुल्लहि पुत्री, हरिपति पुत्र छलथिन्ह । एकटा मूँह लगुआ नोकर रामा छलन्हि । एकटा बरद, किछु खेत छलैन्ह जाहि सँ कष्टेमे गुजर करैत छलाह ।
विद्यापति कविता कलाप के विशेष रसज्ञ तथा मिथिला महाराज शिव सिंह उफ॔ शिवै सिंह के प़धान राज कवि छलाह । अनेक ग़न्थक रचयिता यथा कीति॔लता, पुरूष परिक्षा, लिखनावली, शैवसव॔स्व, विभगासार, गयापतन, दुगा॔भक्तितरंगणी, दानवाक्यमाला, गंगावाक्यावली छलाह । हुनक रचल घनेर तिरहुत गीत छन्हि । मिथिलावासी एहन के हेता जिनका विद्यापतिक एक आध रचना याद नहि हेतनि । यथा ” माधव कि कहब सुन्दरि रूपे, कतेक जतन विधि आनि समारल देखइत नयन स्वरूपे ।” ” महेशवाणी ….हम नहि आजु रहब अहि आँगन जौँ बुढ होएत जमाय ” ।।
विद्यापति जीक पितामही श्रीमति लक्षमी ठकुराइन विदुषी छलथिन्ह जे राजा हरिसिंह देव के सभा जाय श्रीमान् हरिनाथ मिश्रजीक पत्नी के लाँक्षित होमय सँ बचोने छलथिन्ह।
महाराज हरिसिंहदेव गायक छलाह, हुनकर सभा में बहुत नीक..नीक गायक छलैन जाहि में कलानिधि नामक गायक सेहो छळाह अथा॔त हुनका लोकनिक वण॔ण विद्यापति जी अपन रचना पुरूषपरिक्षा ग़न्थ में गीताविद कथा शिष॔क कहानी में विस्तृत वण॔न कएने छथि । अस्तु देवसिंहक वाद हुनकहि पूत्र शिवसिंह राजा भेलाह जिनकर राजधानी देकुली के नजदीक वगमतीक तट पर गजरथपुर नगरी छलन्हि । मुसलमानक आक़मण सँ गजरथपुर विनष्ट भय गेल महाराज शिवसिंह दिल्ली कारागारहिं में मृत्यु के प़ाप्त कएलन्हि, हुनक धम॔ पत्नी लखिमा ठकुराइन के विद्यापति ठाकुर शिवसिंहक मित्र जे सप्तरी में रहैत छलाह ओतहि लय गेलथिन्ह, बारह वष॔ धरि शिव सिंहक प़तिक्षा में रहलाह विद्यापतिक लेल इ सभ सँ कष्टमय समय छलन्हिं । ओहि अवधि में विद्यापति जी “लिखनावली” नामक पुस्तकक रचना कएलन्हि जाहि में पुरादित्यक उल्लेख अछि । बारह वष॔क “सन् १४४५ सँ १४५७ धरि” वाद लखिमा देवी सती भय गेलीह तथा शिवसिंहक भाई पद्मसिंह मिथिलाक राजा भेलाह, हुनक स्वगा॔रोहणक पश्चात्य पद्मसिंहक पत्नी विश्वास देवी राजा भेलीह, विद्यापति जीक रचना शैवसव॔श्वसार नामक ग़न्थ में विश्वास देवीक बहुत प़शंसा कएने छथि ।
शिवसिंह एवं पद्मसिंह दूनू निःसन्तानी छलाह तैं देवसिंहक भाइ हरिसिंह जे हरड़ी ग़ाम, अन्धराठाढी प़खण्डक अन्तग॔त अछि रहैत छलाह हुनकहि पुत्र हृदयनारायण उपनाम नरसिंह मिथिलाक राजा भेलाह, जिनको राजकवि विद्यापति छलाह । मिथिला महाराज नरसिंहक आदेस पर विद्यापतिजी “विभागसार” नामक पुस्तक बनोलनि ।
महाकवि जन्मना ज्ञाणी, राजा शिवसिंह मुख्यसचिव, राजकवि, गृहस्त छलाह । महाकविक कविताकलापक माधुय॔ पर मुग्धभय अनन्तकोटिब़ह्माण्डनायक भगवान आशुतोष “शंकर” स्वयं “उगना” रूप में महाकविक सेवक बनि गेल रहथि . महाकविय शेव्य आ ब़ह्माण्डनायक शंकर “उगना” रूप में सेवक । वाँकी कथा सव॔ विदित अछी……………………
महाकवि अन्त समय में महाप़याणक लेल जखन खरखरिया पर गंगा निकट जा रहल छलाह तँ वाटहिं में बुझि परलैन्ह जे हमर समय निकट आवि गेल कि महाकवि झट दय बाजि उठलाह औ कहरिया सभ आब गंगा कतेक दुर छथि ? उ सुनि कहरिया कहलकन्हि गुरूजी भरिसक अहिठाम सँ दू कोस हेतीह । ई सुनितहिं महाकवि कहलथिन्ह अरे हम जखन अतेक दूर आवि गेलहुं तँ कि हमर इष्टदेव भ़ह्माण्डनायक उगनाक गंगाजी एतेक दूर नहि एतीह । ई कहि खरखरिया सँ उतरि महाकवि अपन गंगाधर उगनाक नचारी गावय लगलाह । गेर कि छल डमरूक शव्द जकाँ शव्दायमान करैत भगवती भागिरथी धरती कें चिरैत महाकविक निकट पहुँचि गेलीह, आ महाकवि ओहिसुरनदी “गंगाजी” में सदेह समा गेलाह ।
ओ स्थान समप़ति में समस्तीपुर जिला में विद्यापति नगर “स्टेशन” सँ प़ख्यात अछि महाकविक समाधि पर विराजमान् आशुतोषभगवान गंगाधरक भब्य “विद्यापति नामक शिवमंदिर एखनहुँ महाकविक यशोगान कय रहल अछी ।
जीव कान्त मिश्र, अड़ेर मधुबनी
महासचिव
विड्यापति परिषद् , सिन्दरी, धनबाद, झारखण्ड

कालीकांत झा “बूच” क जन्म, महान दार्शनिक उदयनाचार्यक कर्मभूमि समस्तीपुर जिलाक करियन ग्राममे 1934 ई. मे भेलनि । पिता स्व. पंडित राजकिशोर झा गामक मध्य विद्यालयक प्रथम प्रधानाध्यापक छलाह । माता स्व. कला देवी गृहिणी छलीह । अंतरस्नातक समस्तीपुर काॅलेज, समस्तीपुरसँ कयलाक पश्चात् बिहार सरकारक प्रखंड कर्मचारीक रूपमे सेवा प्रारंभ कयलनि । बालहिं कालसँ कविता लेखनमे विषेश रूचि छल । मैथिली पत्रिका – मिथिला मिहिर, माटि – पानि, भाखा तथा मैथिली अकादमी पटना द्वारा प्रकाशित पत्रिकामे समय – समय पर हिनक रचना प्रकाशित होइत रहलनि । जीवनक विविध विधाकेँ अपन कविता एवं गीत प्रस्तुत कयलनि । साहित्य अकादमी दिल्ली द्वारा प्रकाशित मैथिली कथाक विकास (संपादक डाॅ बासुकीनाथ झा ) मे हास्य कथा कारक सूची मे डाॅ विद्यापति झा हिनक रचना ‘‘धर्म शास्त्राचार्यक उल्लेख कयलनि । मैथिली अकादमी पटना एवं मिथिला मिहिर द्वारा प्रशंसा पत्र भेजल जाइत छल ।श्रृंगाररस एवं हास्य रसक संग-संग विचार मूलक कविताक रचना सेहो कयलनि । डाॅ दुर्गानाथ झा श्रीश संकलित मैथिली साहित्यक इतिहासमे कविक रूपमे हिनक उल्लेख कएल गेल अछि । प्रकाशित कृति (मृत्योपरांत) : कलानिधि- कविता-संग्रह।
Facebook Page: कालीकांत झा “बूच”

नाम :– प्रो० रामचंद्र मिश्र “मधुकर”|
मैथिल ब्राह्मण ,मूल – पंचोभेददरी ,गोत्र –सावर्ण |
पिता—स्व० बाबूजी मिश्र |
माता –सिधेश्वरी देवी |
स्थायी पता – ग्राम + पो० नरुआर ,थाना –भैरव स्थान ,
जिला – मधुबनी ,[मिथिला ] बिहार |
पत्राचार – ६३ ए जय भारत इन्क्लैब ,साहिबा बाद ,राजेन्द्र नगर ,गाज़ियाबाद [यू, पी]
शिक्षा –एम् ० ए० मैथिली |
वृत्ति – शिक्षण ,उपाचार्य ,मैथिली  विभागाध्यक्ष ,
              एम् ० के ० एस ० कालेज , त्रिमुहान ,चंदौना ,दरभंगा ,|
              एल० एन ० एम्० यू ० दरभंगा [सेवा निवृत ]

  प्रकाशित रचना

१  –कल्प तरु [गीत –संग्रह ]      
 २ नवदल    [कविता –संग्रह ]
 ३ चैतन्य –चन्द्रायण { महाकाव्य ] -१९७२
           

लिखित अप्रकाशित रचना

 
 ४ अजगुत – अनटोटल [काव्य –संकलन ] प्रेस में|
 ५ महावीर –हनुमान [कथा –काव्य ]
 ६ वीर धनंतजय  [मैथिली-नाटक ]
७ इंद्रजीत बध [ मैथिली –नाटक ]
८ राजा सलहेस  [ मैथिली –नाटक]
९ पृथ्वी –पुत्री   [काव्य –नाटिका ]
१०पारिजात –हरण [काव्य नाटिका ]
११ सूर्य –पुत्र
,१२ रुक्मिणी –हरण ,
१३ अज्ञात बास ,
१४ उषा –हरण [काव्य –नाटिका
१५ ग्राम –गाथा [ग्रामान्चलीय उपन्यास ] 

रूपेश त्योंथ नामे बेस चिन्हल जाइत एहि युवा रचनाकारक मूल नाओ रूपेश कुमार झा छनि. ई नवकृष्ण ऐहिक नामे आलेख/व्यंग्य ओ रूपेश कुमार झा ‘त्योंथ’ नामे कविता लेखन करैत छथि. हिनक रचना सभ मैथिली पत्र-पत्रिका मे बरमहल प्रकाशित होइत रहैछ.
हिनक जन्म मिथिलाक मधुबनी जिलान्तर्गत त्योंथागढ़ गाम मे 27 मइ 1989 कें भेल छलनि. आरंभिक शिक्षा गामे मे भेल छलनि आ हाइस्कूल पास क’ आगांक शिक्षा हेतु कलकत्ता आबि गेलाह. रूपेश कंप्यूटर अप्लिकेशन मे स्नातक क’ एक आइटी कंपनी सं जुडल छथि. आइटी क्षेत्र मे मैथिली हेतु किछु विशेष करबाक अकुलाहटि हिनका सदति रहैत छनि.
भाखा-साहित्य मे रुचि रखनिहार रूपेश त्योंथ अपना कें मैथिली कार्यकर्ता बुझैत छथि आ भाखा-साहित्य केर प्रसार-प्रसार हेतु कटिबद्ध छथि. ई भारतीय गणराज्य अंतर्गत पृथक मिथिला राज्यक प्रबल समर्थक छथि. रूपेश लेखन सहित अनेको साहित्यिक-सांस्कृतिक-सामाजिक अभियान सं जुडल छथि.
इंटरनेट पर मैथिलीक प्रचार-प्रसार हेतु ई अगस्त 2012 मे मिथिमीडिया केर औपचारिक शुरुआत कयलनि. बहुत कम समय मे मिथिमीडिया अपन सेवा सं नीक पहिचान बनयबा मे सफल रहल अछि. रूपेश मैथिली दैनिक मिथिला समाद सहित अनेको मीडिया हाउस सं जुडल रहल छथि. ई 2010 मे मैथिली साप्ताहिक झलक मिथिला केर संपादन सेहो कयलनि. आइ-काल्हि लेखन ओ मिथिमीडिया केर सम्पादनक माध्यमे मैथिलीक सेवा मे लागल छथि.
रूपेश बहुत कम वयस सं मैथिली मे लिखैत छथि. हिनक आरंभिक रचनादि विभिन्न पत्र-पत्रिका सभ मे प्रकाशित भेल अछि. हिनक रचल कविता केर संग्रह ‘एक मिसिया’ प्रकाशित अछि. हिनक दोसर पोथी शीघ्र प्रकाशित होयत. मैथिली लेखन कर्म ओ रचनाकारक उचित मान-सम्मान हेतु ई साकांक्ष छथि.
FACEBOK:- https://www.facebook.com/rupeshteoth


Total Pageviews

Popular Posts

  • Maithili Natak(Drama):- Alakh Niranjan"अलख-निरंजन" by Kokil Manch
  • RAM BABU JHA: MAITHLI SONGS
  • Maithili Songs: Devi Maa Maithili Album Songs: Suman Saurabh Maithili Songs
  • Biography of Maithil Singer Suman Saurabh(मिथिला विभूति मुधर्न्य गायक सुमन सौरभ):- Proud of Korthu(Mithila)
  • MAITHLI SONGS: SENURAK LAAJ- MAITHLI MOVIE SONGS
  • Suresh Pankaj:- Maithili Singer
  • Maithili Movies Actress Wallpaper:- a collection of Maithili Film Actress Photos
  • Jay Prakash Choudhary Maithili Comedy: उलहन
  • Maithili Songs: Udit Narayan Maithili Geet
  • Maithili Poem: PAAN: Kashi Kant Mishra "Madhup"
  • Comments
  • Tags

Copyright 2012 APAN MITHLA DHAAM. All rights reserved.

Designed by AMD.