background

APAN MITHLA DHAAM

  • home
  • Biography
    • Authors
    • Singers
    • Actors/Actress
    • मिथिला समाजसेवक
  • Mp3 Songs
  • Tourist
  • Video
    • Devotional
    • Folk
    • DJ
    • Download
  • Jokes
    • Audio
    • SMS
  • Wallpaper
    • Mithili Painting
    • Actors/Actress
    • Temples
    • Tourist Places
  • Movies
    • Download
    • Online
    • Information
    • Trailers
  • Life Style
    • Maithili Dish

Facebook Page

Recent Posts

Categories

  • Biography (12)
  • HariNath Jha (7)
  • MAithli Ringtones (1)
  • Madhav RAi (4)
  • Maithili DJ Songs (5)
  • Maithili Holi Songs (3)
  • Maithili Movie Information (5)
  • Maithili Singer (6)
  • Maithili Vivah Geet (1)
  • Maithli Bhakati Song (9)
  • Maithli Chutkala (12)
  • Maithli Comedy (12)
  • Maithli DJ Songs (7)
  • Maithli Devi Geet (8)
  • Maithli Movie Songs (4)
  • Maithli News (8)
  • Maithli Poem (15)
  • Mithla News (4)
  • Ram Babu Jha (6)
  • Suman Saurav (12)
  • Sunil Jha "Pawan" (4)
  • Tourist Place (12)
  • Vidiyapati Geet (4)

Artist

Ansu Mala
Anuja
Gyaneshwar Dubey
HariNath Jha
Hemkant Jha
Madhav Rai
Mamta Raje
Meenu Mishra
Payal Mukharjee
Poonam Mishra
Prem Sagar
Ram Babu Jha
Suman Saurabh
Sunil Jha "Pawan"
Suresh Pankaj
Tripti Shakya
Udit Narayan Jha
Umanath Jha
Vikash Vibhuti
Showing posts with label Anshu Mala Jha. Show all posts

                        Ansu Mala Jha with APJ Abdul Kalam
अंशु माला झा बहुचर्चित बहुमुखी प्रतिभाशाली गायिकाक नाम थिक । मूलत: मधुबनी जिला अन्तर्गक कलुआहीक ढंगा पश्चिम ग्रामक रहनिहार अंशु माला एक किसान परिवार सं संबंध रखैत छथि। अपन गाम सं बचपने सं जुड़ल अंशुमालाक प्रारंभिक शिक्षा दीक्षा पटना में भेलनि आ पटना के ही अपन कर्मभूमि बनौलनि । पटना सं ग्रेजुएशन केला के बाद आगुक पढाई लिखाई के लेल ई दिल्ली चलि एली । दिल्ली विश्वविद्यालय के मिरान्डा हाउस कॉलेज सं एम ए, एम फ़िल केला के बाद ऎखन अंशुमाला अहि ठाम सं हिन्दुस्तानी क्लासिकल आ विद्यापति संगीत में पीएचडी कय रहल छथिन।
                       बिहार कें तत्कालीन राज्यपाल डॉ ए .आर किद्बई स प्रथम पुरस्कार प्राप्त करैत  
अंशु माला के बचपने सं संगीतक प्रति विशेष रुझान आ लगाव रहनि । परिणामत: ई कक्षा प्रथम सं ही अपन स्कूल तरफ़ सं रंगमंच पर अपन मधुर गायनक प्रदर्शन कर लगली। हिनकर आकर्षक आ सुन्दर प्रदर्शन के देखैत अंशु माला के बिहारक तत्कालीन मुख्यमंत्री श्री लालू प्रसाद केर हाथ सं पहिल पुरस्कार भेटल छल। पुरस्कार प्राप्त कय अंशु माला आरो प्रोत्साहित भय गेली। अपन माता पिता के से हो संगीत सं विशेष लगावअक कारण हिनका हुनका सब सं बहुते सहयोग भेटलनि। मैथिली लोक संगीत आ संगीतक क्षेत्र में हिनकर पहिल “गुरु” अंशु मालाक मां श्रीमती शशि किरण झा छथिन । हुनका बाद अंशु माला श्री हॄदय नारायण झा सं से हो लोकगीतक शिक्षा प्राप्त केने छथि। 
                राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम स आशीर्वाद  लैत
अंशु मालाक सोगीत जीवन में स्कूलक संगीत शिक्षिका श्रीमती उषा चौधरीकप्रेरणा बड पैघ आ महत्वपूर्ण भूमिका छनि । श्रीमती उषा चौधरी द्वारा प्रेरित केला पर ही अंशु माला अपन क्लासिकल संगीतक शिक्षा के आगा बढौने रहथि । बाद में अंशु माला कतेको संगीत गुरु सं शिक्षा ग्रहण केलि जाहि में पंडित देवानन्द ठाकुर, श्री गौतम बनर्जी, प्रो डॉ नीरा चौधरी किछु विशेष नाम अहि। दिल्ली अयला पर अंशु माला पंडित राजन साजन मिश्रा सं से हो संगीतक गूढ तत्व सिखली।
                      दिल्ली कें श्री राम सेंटर में गायन करैत अंशु माला 
अशु माला अपन आदर्श अश्विनी भिड़े देशपाण्डे के मानैत छथि जिनका सं बहुत किछु सीखलनि। मैथिली लोक संगीत में प्रशिक्षण के लेल संस्कृति मंत्रालय , भारत सरकार द्वारा हिनका चात्रवृति प्रादान कयल गेल अछि। प्रयाग संगीत समिति , इलाहाबाद सं 2001 में “प्रभाकर” डिग्री लेलनि। भारत के लगभग 24 राज्य में अंशु माला जी द्वारा अनेको बेर संगीतक प्रस्तुतीकरण कयल गेल अछि आएखन धरि आकाशवाणी (ऑल इन्डिया रेडियो ) में गजल आ लोक संगीतक नियमित कलाकारक रुप में जुड़ल छथि। विद्यापति पर्व समारोह में अनेको ठाम अपन गायनक सुन्दरतम प्रस्तुतीकरण केने छथि आ कय रहल छथि। अखिल भारतीय 9 वां राष्ट्रीय युवा पर्व/समारोह में बिहार सं क्लासिकल गीत में प्रथम पुरस्कार भेटल छलैन। अहि में अंशु माला बिहार राज्य के प्रतिनिधित्व केने रहथि। आकाशवाणी में कतेको फ़ीचर में बिहारक प्रतिनिधि रहथि। लद्दाख में आयोजित “सिंधु दर्शन” में से हो बिहार संस्कृतिक प्रतिनिधित्व केने छथि । डीडी भारती, डीडी नेशनल, महुआ टीवी, ईटीवी, सहारा समय, न्यूज 24 में अपन गायन कय चुकल छथि। दिल्ली विश्वविद्यालय में 2005-2006 में इन्टर कॉलेज प्रतियोगिता में क्लासिकल गायन लेल श्रीमती प्रधानमंत्री गुरुशरण कौर आर दिल्ली विश्वविद्यालय के वाइस चांसलर प्रो दीपक पेंटल के हाथ सं प्रथम पुरस्कार प्राप्त केनाय अंशु मालाक बड़ पैघ उपलब्धि अछि ।
अंशु मालाक एल्बम – प्रिय पाहुन, मैथिली विवाह गीतक सीडी मिथिलांचल में हिनकर सुमधुर गायनक लेल बहुत लोकप्रिय मानल जायत अछि। मैथिली फ़ीचर फ़िल्म “सीतायण में गायन” में हिनकर गायन मधुर स्वर मनमोहक अछि!आहिके अतिरिक्त, अंशु माला एखन नवका प्रोजेक्ट पर काज कय रहल छथि।


रिपोर्ट- भास्कर झा , मैथिलि सिनेमा डेस्क
More Information  : http://maithilicinema.blogspot.com/

Total Pageviews

Popular Posts

  • New Maithili Movie:- Chat Mangni, Pat Biyah Information
  • Ram Babu Jha Maithili Song:- Chal Baba Nagariya
  • New Maithili Movie:- Sajan Aanha Bina
  • Watch Online Maithili Movie:- Sajna Ke Angna Me Solah Singar
  • Biography of Maithil Singer Suman Saurabh(मिथिला विभूति मुधर्न्य गायक सुमन सौरभ):- Proud of Korthu(Mithila)
  • Singheswar Sthan:- A Tourist Place Of Mithila
  • MAITHLI SONGS: MAITHLI VIDEO
  • Sitamarhi:- The Historical Tourist Place of Mithila
  • Biography of Pandit Kashi Kant Mishra "Madhup"
  • Maithili Folk Songs:- Pawitra Bhhomi Mithila
  • Comments
  • Tags

Copyright 2012 APAN MITHLA DHAAM. All rights reserved.

Designed by AMD.